सीमा विवाद पर प्रधानमन्त्री बजओलन्हि सर्वपक्षीय बैठक

काठमाण्डु कातिक २३ गते ।प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सर्वपक्षीय बैठक बजओलन्हि अछि । भारत जारी कएने नयाँ नक्सामे नेपालक कालापानी, लिपुलेक आ लिम्पियाधुरा समावेश कएलाक बाद उत्पत्र परिस्थितिक विषयमे विमर्श करबालेल ओली सर्वपक्षीय बैठक बजओलन्हि अछि ।
प्रधानमन्त्री ओली शनिदिन बेरिया ४ बजे बालुवाटारमे सर्वपक्षीय बैठक बजओने छथि ।
प्रधानमन्त्री ओली भारत अपन नक्सामे रखने दार्चुलाक कालापानी आ लिपुलेकक विषयमे विमर्श करबालेल सर्वपक्षीय बैठक आव्हान कएने हुनकर प्रेस संयोजक चेतन अधिकारी जानकारी देलन्हि ।
प्रधानमन्त्री ओली शनिदिन बेरिया ४ बजे सभ राजनीतिक दलक प्रमुख, पूर्वपरराष्ट्रमन्त्री तथा पूर्वप्रधानमन्त्रीकेँ बैठकमे बजओने छथि ।
भारत कालापानी, लिपुलेक आ लिम्पियाधुराकेँ अपन नयाँ राजनैतिक नक्सामे समावेश कएलाक बाद नेपालमे ओहिके विरोधमे पैघ प्रदर्शन भऽ रहल अछि । ठामठाममे भारत विरोधी नारा लगाओलगेल अछि तऽ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके पुतला सेहो दहन कएलगेल अछि । प्रदर्शनमे उतरलसभ ब्याक अफ इण्डियाक नारा सेहो लगओने अछि । ओसभ एहि विषयमे सरकारकेँ पहल करबालेल माँग सेहो कएने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *