उपनिर्वाचनके लेल सेना परिचालन

काठमाण्डु कातिक २२ गते । सरकार आगामी अगहन १४ गते होबए जा रहल उपनिर्वाचनके लेल नेपाली सेना परिचालन करबाक निर्णय कएलक अछि । सरकारक प्रवक्ता एवं सूचना तथा सञ्चार प्रविधि मन्त्री गोकुल बाँस्कोटा वृहस्पतिदिन नियमित पत्रकार सम्मेलनमे ई जानकारी देलन्हि अछि । अगहन १४ गते प्रदेश, प्रतिनिधिसभा तथा स्थानीय तहक रिक्त ५२ पदके लेल उपनिर्वाचन भऽ रहल अछि ।
मन्त्रिपरिषदके निर्णय सार्वजनिक करैत बाँस्कोटा भारत एकपक्षीय रुपेँ जारी कएने राजनीतिक नक्साक विषयमे कुटनीतिक आ राजनैतिक रुपेँ छलफल होएत बतओलन्हि ।
सार्वभौमिकताक रक्षाक विषयमे सरकार स्पष्ट रहल कहैत ओ भारत एकपक्षीय रुपेँ जारी कएने राजनीतिक नक्सा अस्वीकार्य रहल आ कुटनीतिक तथा राजनैतिक रुपेँ ओहि विषयमे समाधान खोजल जाएत बतओलन्हि ।
एसियाली पूर्वाधार लगानी बैंकसँ विद्युत वितरण प्रणालीकेँ स्तरोन्नती तथा विस्तार आयोजनाके लेल प्रस्तावित ११२.३ मिलियन अमेरिकी डलर बराबरके ऋण सहायाता वार्ता टोली गठन करबाक निर्णय भेल मन्त्री बाँस्कोटा बतओलन्हि ।
नेपाल आ जर्मनीबीच कुटनीतिक नियोगमे कार्यरत कुटनीतिक कर्मचारीक परिवारके आश्रित सदस्यकेँ रोजगारके लेल अनुमति देबाक सम्बन्धी समझदारीपत्रमे हस्ताक्षर करबाक निर्णय भेल अछि । लेखा प्रमुख सेनानी गोपाल सिग्देलकेँ लेखा महासेनानी दर्जामे पदोन्नती कएलगेल अछि तऽ १३ हम दक्षिण एसियाली खेलकुद २०१९ आयोजना तथा व्यवस्थापनसम्बन्धी पहिल कार्यविधि २०७६ स्वीकृत कएलगेल प्रवक्ता बाँस्कोटा जानकारी देलन्हि ।
मन्त्रिपरिषद नेपाल सरकार, प्रदेश आ स्थानीय तहबीच प्राकृतिक रोयल्टीक बाँटफाँटक आधार सिमा मार्गदर्शन विधि आ हिस्सा स्वीकृत कएलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *