भारतीय राजदूतकेँ फोन कऽ कऽ कांग्रेस सभापति देउवा कहलन्हि– कालापानी आ लिपुलेक नेपालक अविभाज्य भूमि अछि

काठमाण्डु कातिक २२ गते ।नेपाली कांग्रेसक सभापति शेरबहादुर देउवा भारतकेँ कालापानी आ लिपुलेक नेपालक अविभाज्य भूमि रहल तथ्य स्मरण करओलन्हि अछि । सभापति देउवा भारत हालहि सार्वजनिक कएने नयाँ नक्साप्रति अपन ध्यानाकर्षण भेल बतबैत कालापानी आ लिपुलेक नेपालक अभिवाज्य भूमि रहल तथ्य स्मरण करओने प्रवक्ता विश्वप्रकाश शर्मा जानकारी देलन्हि ।
‘सभापति शेरबहादुर देउवा वृहस्पतिदिन नेपालके लेल भारतीय राजदूत मञ्जिवसिंह पुरीसँ कालापानी आ लिपुलेकक सन्दर्भमे टेलिफोन संवाद कएलन्हि अछि,’ प्रवक्ता विश्वप्रकाश शर्मा जारी कएने विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि,‘नक्साप्रति अपन ध्यानाकर्षण भेल बतबैत ओ कालापानी आ लिपुलेक नेपालक अविभाज्य भूमि रहल तथ्य स्मरण करओलन्हि अछि ।’
एहिसँ पहिने प्रवक्ता शर्मा ट्वीटमार्फत कालापानी आ लिपुलेक नेपालक अविभाज्य भाग रहल भारतक नयाँ नक्साक विरोध करैत नेपालक कोनो भूमिउपर कोनो प्रकारक अतिक्रमण स्वीकार्य नहि होएत कांग्रेसक धारणा सार्वजनिक कएने रहथि ।
कांग्रेस विज्ञप्ति सार्वजनिक करैत देशक सार्वभौम आ राष्ट्रियता सन महत्वपूर्ण विषयमे दल विशेषक मतसँ उपर उठि कऽ देशक साझा मत एवं ओहि मतके प्रतिनिधित्व कऽ कुटनीतिक माध्यमद्वारा हल खोजबालेल सरकारकेँ समर्थ होबए परत बतओने अछि । ओ नेपालक कोनो स्थानक भूमिउपर होबएबला अतिक्रमण कांग्रेसकेँ अस्वीकार्य रहल स्पष्ट कएने छथि ।
बुधदिन परराष्ट्र मन्त्रालय विज्ञप्ति सार्वजनिक करैत नेपालक सीमासम्बन्धी कोनो विषयमे अकेले होबएबला निर्णय मान्य नहि होएत बतओने छल । मुदा, भारतीय विदेश मन्त्रालय वृहस्पतिदिन पत्रकार सम्मेलनमार्फत भारत जारी कएने नयाँ नक्सामे नेपाल भारतबीचक सीमानामे कोनो परिमार्जन नहि कएलगेल दावा कएने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *