कास्की २ तर्फ सभक ध्यान

जनकपुरधाम कातिक २२ गते ।आगामी अगहन १४ गते होबए जा रहल उपनिर्वाचनमे सभक ध्यान कास्की क्षेत्र नम्बर २ तर्फ केन्द्रित भेल अछि । जतह कांग्रेसक तर्फसँ खेमराज पौडेल आ नेकपाक विद्या भट्टराई सहितक उम्मेदवारी दर्ता करओलन्हि अछि । एहि क्षेत्रमे नेपाली कांग्रेस आ नेकपाबीच प्रतिस्पर्धा देखलगेल अछि । कांग्रेसक पौडेल आ नेकपाक भट्टराई दुनु गोटे अपन अपन जित सुनिश्चित रहल दावा कएलन्हि अछि ।
कांग्रेस उम्मेदवार पौडेल चारि हजारसँ अधिक मतसँ ओ जितताह दावा कएलन्हि अछि । वृहस्पतिदिन उम्मेदवारी दर्ताक बाद पत्रकारसभसँ बातचित करैत ओ ई दावा कएलन्हि ।
दु तिहाइक कम्युनिस्ट सरकार जनताक पक्षमे किछु काज नहि कऽ सकल उल्लेख करैत ओ कहलन्हि,‘भ्रष्टाचार नियन्त्रण नहि भेल अछि, महँगी बढल अछि, सरकार अलोकप्रिय नहि भेल तऽ?’ टिकटके विषमे पार्टीभितर कोनो विवाद नहि रहल हुनकर दावा छलन्हि ।
एम्हर उम्मेदवारी दर्ताक बाद नेकपाक उम्मेदवार भट्टराई अपन जित सुनिश्चित रहल दावा कएलीह । जनता रवीन्द्रकेँ देने स्नेह सम्मानक कारण ओ उम्मेदवारी देने हुनकर कहब छलन्हि । एहि क्षेत्रमे नेकपाके बर्चश्व रहल ओ बतओलीह ।
एहिबीच कांग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि उपनिर्वाचनक टिकट वितरण कांग्रेस गुटउपगुट अन्तके सन्देश देलाक कारण आब कास्की–२ मे कांग्रेसक उम्मेदवारकेँ जिता कऽ विजयक उद्घोष करबालेल आग्रह कएलन्हि ।
पौडेलक मनोनयन पत्र दर्ताक बाद आयोजना कएलगेल चुनावी सभामे उम्मेदवार चयनमे किछु देर भेल स्वीकार करैत निधि निक निर्णय भेल बतओलन्हि ।
घोषणासभामे सहभागी भऽ कऽ काठमाण्डु घुरलाक बाद सभापति शेरबहादुर देउवा, वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेलसहितक पदाधिकारी साथीसभकेँ ‘पोखरा गेल छलौंह, सन्देश निक अछि, १४ गतेक चुनावमे नेपाली कांग्रेसक गाछ छाप अवश्य विजयपाओत’ ई सन्देश लऽ कऽ जाए चाहैत छी ।
‘घोषणा सभाक उपस्थितिमे कास्कीक नेतासभक प्रतिवद्धता आ कार्यकर्तासभक अग्रसरतासँ कांग्रेस चुनाव जितबामे हम पूर्ण विश्वस्त छी,’ निधि कहलन्हि,‘मुदा एहिके लेल कास्की कांग्रेसक कार्यकर्ता एकजुट होबए परत ।’

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *