अस्पताल क्षेत्रसँ दुटा विचौलिया नियन्त्रणमे

जनकपुरधाम कातिक २२ गते ।साविकके अञ्चल अस्पताल एवं एखनुक प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे विचौलियाक काज कएने आरोपमे दु गोटे पकराएल अछि । अस्पतालक ओपीडीमे इलाजके लेल आएल बिमारसभकेँ निजी क्लिनिकमे लऽ जएबाक काज करैत आबि रहल आरोपमे प्रहरी दु गोटेके नियन्त्रणमे लेने अछि ।
बिमारके ठगि फुसला कऽ निजी क्लिनिकमे लऽ जएबाक काज करैत आबि रहल जनकपुरधाम–८ क २५ वर्षीय मत्रु सिंह उपनाम रहल निर्मल साह आ ४० वर्षीय राजेश यादव रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।
दुनु गोटेविरुद्ध सार्वजनिक शान्तिविरुद्धक कसुर शीर्षकमे मुद्दा दर्ता कऽ आवश्यक अनुसन्धान कार्य चलि रहल प्रहरी जनओलक अछि । एहिसँ पहिने सेहो प्रहरी अस्पताल क्षेत्रसँ बिमारसभके फुसला कऽ निजी क्लिनिकमे लऽ जएबाक कार्यमे संलग्न रहल आरोपमे विचौलियासभकेँ नियन्त्रणमे लेने छल ।
बिमारसभकेँ निजी क्लिनिकमे लऽ जएबालेल अस्पताल क्षेत्रमे दलाली बढल आरोप लगैत आबि रहल अछि । ओतह इलाज कराबए पहुँचल सर्वसाधारणकेँ ठगि फुसला कऽ दलालसभ निजी क्लिनिकमे लऽ जा कऽ कमिसन लेबाक काज करैत आबि रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *