Breaking-News

निर्माण व्यवसायी संघ पर्साक अध्यक्षक घरमे मारिपिट

Please follow and like us:

वीरगंज अखार २९ गते ।वीरगंजक आदर्शनगरस्थित नेपाल निर्माण व्यवसायी संघ पर्साक अध्यक्ष रमाकान्त चौरसियाक घरमे शनिदिन दु समूहबीचक मारिपिटमे तीन युवक घायल भेल अछि ।
अध्यक्षक बेटाके समूहद्धारा कएलगेल धरगर हथियारक प्रहारसँ तीनटा युवक घायल भेल अछि । अध्क्ष चौरसियाक बेटा रविकान्त चौरसियाक बेटा तीन हथियार प्रहार कऽ तीनु युवककके घायल बनओने बताओलगेल अछि ।
घायल तीनु गोटेके नारायणी अस्पतालमे इलाजके लेल पठाओलगेल छल । ओतह उपचार नहि भऽ सकलाक बाद तीनु गोेटेके वीरगंजक न्यूरो अस्पतालमे भर्ना कएलगेल अछि । रविकान्त तीनु गोटेके अपन घरमे बजा कऽ अपन साथीसभक सहयोगमे धरगर हथियार प्रहार कऽ घायल बनओने युवकके अभिभावकसभ बतओलन्हि अछि ।
घटनाक बाद घायलसभक परिवारजन अध्यक्षक घरमे रोडाबाजी कऽ तोडफोड कएलक अछि । हथियार प्रहार कएन्हिारमेसँ रविकान्त आ घरमे रोडाबाजी करएबला एकगोटेके प्रहरी नियन्त्रणमे लऽ कऽ अनुसन्धान आगु बढओलक अछि ।
पर्साक प्रहरी प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक अनन्तराम शर्माक अनुसार रविकान्त आ ओकर साथीसभबीच विवादक क्रममे झगडा भेलाकबाद रविकान्तक समूह आक्रमण कएने छल ।

Have your say