Breaking-News

जनताक तटबन्ध रातु नदीमे बहल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २९ गते ।महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका–९ पशुपतिनगरस्थित रातु नदीमे जनता तटबन्ध बाँध कटानसँ टुटल अछि । अविरल वर्षाके कारण रातु नदीमे जनताक तटबन्ध बाँध टुटलाक बाद पशुपतिनगर डुबानमे परबाक खतरा बढल अछि ।
एम्हर धनुषाक सखुवा महेन्द्रनगर आ शान्तिपुर जोडएबला औरही नदीमे निर्माणाधीन पुल टुटल अछि । भारी वर्षाके बाद आएल बाढिसँ पुल टुटल स्थानीयसभ बतओलन्हि अछि ।
पुलके करिब ६ वर्ष पहिने वर्तमान भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री रघुवीर महासेठ शिलान्यास कएने रहथि । रोशन कन्स्ट्रक्सन निर्माणक जिम्मा लेने पुल करिब ६ वर्षसँ अधुरा अवस्थामे छल ।

Have your say