Breaking-News

विदेह नगरपालिका बनल टापु

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २९ गते ।चारिदिनसँ लगातार भऽ रहल वर्षाक कारण धनुषाक पूर्वी क्षेत्र गम्भीर रुपेँ प्रभावित भेल अछि । ओहि क्षेत्रक नदीमे आएल बाढिक कारण जनजीवन कष्टकर बनल अछि ।
निरन्तर भऽ रहल वर्षाके कारण धनुषाक विदेह नगरपालिका टापुमे परिणत भेल अछि । नगरपालिका नजदिक रहल कमला नदीक नाहर आ बिमला बेलौती नदीक पानि गाममे प्रवेश कएलाक बाद जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।
नगरपालिकाक वार्ड नम्बर १ क अध्यक्ष श्रवणकुमार कुसियैतक अनुसार दुनु नदीके पानि चारुतर्फसँ घेरलाक कारण नगरपालिका टापुमे परिणत भेल अछि । हुनक अनुसार नगरपालिकाक १, २, ८, ९ सहितक वार्डसभ बाढिसँ प्रभावित भेल अछि । अत्याधिक वर्षाके कारण डुबानमे परल घरसभसँ दमकल प्रयोग कऽ पानि निकाललगेल ओ बतओलन्हि अछि ।
एम्हर औरही गामपालिकाके देउरी परवाहा डुबानमे परल अछि । भारी वर्षाके कारण देउरी परवाहाक अधिकांश घरमे पानि प्रवेश कएने स्थानीयसभ बतओलन्हि अछि ।

Have your say