Breaking-News

प्रदेश सरकारक निर्णयः मृतक परिवारकेँ तीन लाख राहत

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २९ गते ।प्रदेश सरकार बाढिक कारण मृत्यु भेल परिवारकेँ तीन लाख रुपैयाँ राहत उपलब्ध करएबाक निर्णय कएलक अछि । शनिदिन सम्पत्र मन्त्रीपरिषद्के आकस्मिक बैसार ई निर्णय कएलक अछि ।
चारिदिनसँ लगातार भेल वर्षाक कारण प्रदेश २ क आठु जिल्ला प्रभावित भेल अछि । अत्याधिक वर्षाके कारण प्रदेश २ क करिब ८० प्रतिशत भूभाग डुबानमे रहल बताओलगेल अछि ।
मन्त्रीपरिषद्के बैठक राहत तथा उद्धारकार्यके लेल विपद् व्यवस्थापन समितिकेँ तत्काल १०÷१० लाख रुपैयाँ उपलब्ध करएबाक निर्णय सेहो कएने सरकारक प्रवक्ता एवं आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव जानकारी देलन्हि ।
बैठक राहत तथा उद्धारमे खटल नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, स्वयंसेवकसभकेँ धन्यवाद दैत एहि कार्यमे जुटबालेल प्रदेशभितरके युवासभकेँ आव्हान कएलक अछि ।
बाढिक कारण रास्तासभ अवरुद्ध भेल अवस्थामे राहत तथा उद्धार कार्यके लेल संघीय सरकारसँ समन्वय कऽ हेलिकप्टर मँगएबाक पहल भऽ रहल मन्त्री यादव जानकारी देलन्हि । प्रदेश सरकारक अनुसार बाढिक कारण शनिदिनधरि दु गोटेके मृत्यु आ चारिगोटे वेपत्ताके पुष्टि भेल अछि ।

Have your say