Breaking-News

कमला नदीमे फँसलसभके उद्धार

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २९ गते ।कमला नदीक बाढिमे फँसल सभगोटेके उद्धार कएलगेल अछि । बाढिमे फँसल सम्पूर्ण १८ गोटेके सुरक्षाकर्मी शनिदिन उद्धार कएलक अछि ।
धनुषाक सघारा आ सिरहाक बस्तीकट्टी गामपालिका जोडएबला निर्माणाधीन हुलाकी सडकके पुल बनएबाक क्रममे फँसल इन्जिनियरसहित ९ टा कामदारकेँ नेपाली सेनाक हेलिकप्टरसँ शिनदिन साँझ उद्धार कएलगेल अछि ।
वृहस्पतिदिन साँझ हुनकासभकेँ ४८ घन्टाबाद नेपाली सेनाक टोली उद्धार कएने धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कँणेल जानकारी देलन्हि । नदीमे फँसल ुहनकासभकेँ उद्धार करबालेल शुक्रेदिनसँ नेपाली सेना, सशस्त्र प्रहरी आ गोताखोर प्रयास जारी रखने छल । मुदा नदीमे पानिक उच्च बहावके कारण उद्धार नहि भऽ सकल छल । तहिना खराब मौसमके कारण ओतहधरि हेलिकप्टर सेहो नहि पहुँच सकल छल ।
एम्हर कमला नदीक बाढिमे शुक्रदिनसँ फँसल सिरहा कल्याणपुर नगरपालिका ५ निर्दनाक सुक्देव दास, कञ्चन मण्डल, रशिचन्द्र दास, कुनाही महतो आ हुनक श्रीमतीसहित पाँच गोटे आ कमला नगरपालिका हथमुन्डाक अमृत महतो, सन्तोषी सदा, रेश्मा देवी महतो, अनार देवी सादाके सशस्त्र प्रहरीके टोली उद्धार कएलक अछि ।
एम्हर धनुषाक दक्षिणी सीमाक्षेत्रस्थित जटही आ भारतक पिपरौन जोडएबला जलादि नदीके नवमिर्मित पुल कातक माटि धसलाक कारण पुल दऽ कऽ आवतजावत अवरुद्ध भेल अछि ।

Have your say