Breaking-News

भारी वर्षाके कारण प्रदेश २ क जनजीवन प्रभावित

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २९ गते ।विगत चारि दिनसँ लगातार भऽ रहल वर्षाके कारण प्रदेश २ क अधिकांश जिल्ला डुबानमे परल अछि । डुबानक कारण प्रदेश २ क राजधानी जनकपुरसहित जिल्लाक ग्रामीण क्षेत्रसभमे जनजीवन कष्टकर बनल अछि ।धनुषा आ सिरहाक सीमा जोडबएबला कमला नदीके बाँध टुटलासँ धनुषातर्फ करिब दु सय घरपरिवार विस्थापित भेल अछि । जनकनन्दनी गामपालिकाक सघारा नजदिक बाँध टुटल बताओलगेल अछि ।
कमलाक बाँध टुटलासँ सम्पूर्ण गाम डुबानमे परल धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कँणेल जानकारी देलन्हि । हुनकअनुसार ३० मिटरधरि बाँध टुटलाक कारण ओहि क्षेत्रक घरसभ डुबानमे परल अछि । बाढिक कारण विस्थापित भेलसभकेँ उद्धार कऽ सुरक्षित स्थानमे राखलगेल कँणेल बतओलन्हि ।
उपमहानगरक स्थानीय विस्थापित
भारी वर्षाके कारण जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक कतेको घरपरिवार विस्थापित भेल अछि । अध्याधिक वर्षाके बाद घरभितर पानि प्रवेश कएलाक बाद उपमहानगरपालिकाक वार्ड नम्बर १ आ ७ क सर्वसधारण विस्थापित भेल अछि । वार्ड नम्बर १ मे विस्थापित भेलसभकेँ मिल्स एरियास्थित धर्मशालामे राखि कऽ राहत वितरण कएलगेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी कँणेल बतओलन्हि ।
तहिना वार्ड नम्बर ७ स्थित मुसहरी टोलक विस्थापितसभकेँ एक प्राथमिक विद्यालयमे राखलगेल अछि । मुसहरी टोलक ५० सँ अधिक घरपरिवारकेँ रामजानकी आधारभूत विद्यालयमे राखलगेल वार्ड नम्बर ७ क अध्यक्ष जानकीराम साह जानकारी देलन्हि ।
वर्षाके कारण जनकपुर उपमहानगरपालिकाक अधिकांश क्षेत्र डुबानमे परल अछि । स्थानीयसभक अनुसार वर्षामे किछु वार्डसभ एहिसँ पहिने प्रभावित होइत अओलाक बादो घरघरमे पहिलबेर पानि प्रवेश कएने अछि । घरसभमे पानि प्रवेश कएलाक बाद जनजीवन कष्टकर बनल अछि । तहिना कतेको दोकानसभमे पानि पैसलाक बाद लाखौंके क्षति भेल जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ जनओलक अछि ।
वर्षाके कारण एतुका मुख्यमन्त्री कार्यालयके संगहि बाह्रबिघा मैदान, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ, जिल्ला प्रहरी कार्यालय, संघीय प्रहरी कार्यालय, आन्तरिक राजश्व कार्यालय, जिल्ला हुलाक कार्यालयसहित दर्जनौं सरकारी कार्यालय डुबानमे परल अछि ।
सदरमुकामसँ सम्पर्क विच्छेद
लगातारक वर्षाके बाद धनुषाक पूर्वी क्षेत्रक वासिन्दासभकेँ सदमुकाम जनकपुरसँ सम्पर्क टुटल अछि । खास कऽ धनुषाक शहीदनगर नगरपालिका, सबैला नगरपालिका, जनकनन्दनी गामपालिका, कमल नगरपालिकाके जनकपुरसँ सम्पर्क टुटल अछि । बाढिक कारण ठामठाम रास्ता कटान भेलाक कारण ओहि क्षेत्रसँ जनकपुरधरि आवतजावत बन्द भेल अछि । तहिना कतेको स्थानमे पुलसभ समय पर निर्माण नहि होबए सकलाक बाद पैदल आवतजावतमे सेहो समस्या भेल अछि ।
यातायात प्रभावित
भारी वर्षाके कारण यातायात सञ्चालन सेहो प्रभावित भेल अछि । बाढिसँ सडक कटान कएलाक बाद जनकपुरसँ चलएबला लम्बा तथा छोटदुरीके सवारी साधन सञ्चालन नहि भऽ सकल अछि । जनकपुरसँ राजमार्ग होइत पूर्वतर्फ चलएबला गाडी सञ्चालनमे रहलाक बादो अन्य कोनो सवारी साधन सञ्चालनमे नहि आबि सकल जनकपुर अञ्चल बस व्यवसायी संघक अध्यक्ष मनोज चौधरी जानकारी देलन्हि । महोत्तरीक बर्दिवासस्थित भव्सी नदीमे आएल बाढिसँ पुल टुटलाक कारण पूर्वपश्चिम राजमार्ग अवरुद्ध भेल ओ बतओलन्हि । तहिना जनकपुर–जलेश्वर सडक खण्डक दु स्थान कटानमे परलाक कारण यातायात सञ्चालन नहि भऽ सकल ओ बतओलन्हि ।
एम्हर जनकपुरक विमानसेवा सेहो शुक्रदिनसँ प्रभावित भेल अछि । धावनमार्गमे पानिक जमावक संगहि विमानस्थलस्थित उपकरणसभ डुबानमे परलाक कारण हवाइसेवा प्रभावित भेल अछि । वर्षा नहि रुकल अवस्थामे रविदिन सेहो हवाइसेवा सञ्चालन हएबाक सम्भावना कम रहल बुद्ध एयर जनकपुरक प्रमुख विजयप्रसाद सिंह बतओलन्हि ।

Have your say