Breaking-News

सर्पदंश उपचार केन्द्रकेँ लक्ष्मी बैंकके सहयोग

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २७ गते ।महोत्तरीक बर्दिवासस्थित गौरीडांँडामे रहल सामुदायिक सर्पदंश उपचार केन्द्रकेँ लक्ष्मी बैंक लिमिटेड करिब तीन लाख बराबरके स्वास्थ्य उपकरण हस्तान्तरण कएलक अछि ।
सर्पदंशक बिमारीसभकेँ सेवा दैत आएल सामुदायिक सर्पदंश उपचार केन्द्रकेँ लक्ष्मी बैैंकके सामाजिक कोष अन्तर्गत एकटा इलेक्ट्रिक अक्सिजन, आइसियु साइडबेड मनिटर आ आइसियु बेड हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
सहयोग हस्तान्तरण कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक मेयर सर्पदंश उपचार केन्द्रकेँ नगरपालिकाक तर्फसँ सेहो हरसम्भव सहयोग करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि ।
नेपाली सेनाक ब्यारेक परिसरभितर रहल सामुदायिक सर्पदंश उपचार केन्द्रकेँ बैंकक तर्फसँ सहयोग करैत लक्ष्मी बैंक प्रदेश २ क प्रमुख उज्जवल घिमिरे आगामी दिनसभमे सेहो आवश्यक्ता अनुसार सहयोग करबाक विश्वास दिओलन्हि ।
जटिल प्रकृतिके बिमारी आएल समय सर्पदंश केन्द्रके बिमारसभकेँ अन्यत्र पठएबाक बाध्यत रहलाक कारण बैंक स्वास्थ्य उपकरणसभ हस्तान्तरण कएने बैंकके जनकपुरधाम प्रमुख अमित कर्ण बतओलन्हि ।

Have your say