सिरहामे यात्रुबाहक बस दुर्घटना, एक दर्जन सँ बेसी यात्री घाइल

सिरहा भादव २४ गते ।सिरहामे यात्रुबाहक बस दुर्घटना भेला सँ एक दर्जन सँ बेसी यात्री घाइल भेल अछि । पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत सिरहाक कर्जन्हा नगरपालिका–१० पर्यागःपुर चौकपर राति करिव साढे ९ बजेक समयमे काँकडभिट्टा सँ काठमाण्डू जा रहल ना. ५ ख. ५२३४ नम्बरक शुभ विहानी डिलक्स नामक बस अनियन्त्रित भऽ कऽ दुर्घटनामे पडल प्रहरी जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे परि कऽ घाइल भेल सभकँे ईलाजक लेल स्थानीय स्तर पर विभिन्न अस्पताल तथा क्लिनीकसभमे भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे दुःगोटे गम्भिर घाइल भेल प्रहरी जनौलक अछि ।
गम्भीर घाइल द्वयकँे माथ आ छातीमे चोट लागल बताओल गेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *