Breaking-News

मिथिला विहारी नगरपालिकामे प्रदर्शन

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २७ गते ।धनुषाक मिथिला बिहारी नगरपालिकामे विकास निर्माणक कार्यमे अनियमितता भऽ रहल आरोप लगबैत विरोध प्रदर्शन भेल अछि । नगरपालिकाभितर पीसीसी ढलान आ नाला निर्माणमे अनियमितता भेल कहैत वृहस्पतिदिन स्थानीय युवा अभियन्तासभ नगरपालिका कार्यालयमे विरोध प्रदर्शन कएलन्हि अछि ।
नगरपालिका स्टिमेटविपरित गुणस्तरीहन काज कऽ रहल कहैत युवासभ प्रदर्शन कएने स्थानीय धर्मनाथ यादव बतओलन्हि । नगरपालिकाक वार्ड नम्बर ९ मे कएलगेल पीसीसी ढलान आ नाला निर्माणके जाँच करबालेल जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे स्थानीय युवासभ निवेदन सेहो देने छलथि । जिल्ला प्रशासनक निर्देशनअनुसार कएलगेल जाँचमे स्टिमेटविपरित काज देखलगेल यादव दावा कएलन्हि अछि ।
स्टिमेटविपरित काज भेलाक बादो कार्यालय उपभोक्ता समितिके रकम भुक्तानी कऽ रहल जानकारी भेलाक बाद स्थानीय युवासभ विरोध प्रदर्शन कएने हुनकर कहब छलन्हि ।

Have your say