Breaking-News

प्रदेश २ मे छानबिन करबालेल अख्तियारसँ कांग्रेसक माँग

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २७ गते ।नेपाली कांग्रेस प्रदेश २ सरकार भ्रष्टाचारमे डुबल कहैत छानबिन करबालेल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगसँ माँग कएलक अछि ।
अषाढक विकासक नाम पर प्रदेश सरकारक मन्त्रीसभ आर्थिक अनियमिततामे लिप्त रहल कहैत नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य एवं पूर्वमन्त्री महेन्द्र यादव छानबिन करबालेल अख्तियारसँ माँग कएलन्हि अछि ।
‘पछिला ११ महिनामे पाँच अर्ब खर्च कएने प्रदेश सरकार २३ दिनमे साढे चारि अर्ब खर्च कएने अछि,’ प्रेस युनियन धनुषा वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे नेता यादव कहलन्हि,‘कागजमे मात्र विकास निर्माण कऽ रहल सरकारक आर्थिक गतिविधि अख्तियारसँ छानबिन हुए ।’ ११ महिनामे पाँच अर्ब रुपैयाँ खर्च कएने सरकार २३ दिनमे साढे चारि अर्ब रुपैयाँ कोना खर्च कएलक प्रश्न करैत ओ उपभोक्ता समितिके नाम पर चौतर्फी लुट मचएबाक काज भऽ रहल बतओलन्हि ।
तत्कालीन जिल्ला विकास समितिक ढाँचामे प्रदेश सरकार आगु बढि रहल कहैत ओ के अधिक अनियतमितता करब कहि कऽ मन्त्रीसभबीच प्रतिस्पर्धा चलि रहल आरोप लगओलन्हि । भ्रष्टाचारमे डुबल सरकार प्रदेशके देशभरिमे बदनाम करओने हुनकर कहब छलन्हि ।
अधिकार रहलाक बादो सिंचाइ, खानेपानी, स्वास्थ्यसहितक क्षेत्रमे प्रदेश सरकार किछु नहि कऽ सकल कहैत नेता यादव भिजनबिनाके सरकार कोनो ठोस काज कएने अछि तऽ देखाबएलेल चुनौती देलन्हि । कार्यकर्ता पोसएलेल उद्यत सरकार अपन १७ महिनाक कार्यकालमे २ किलोमिटर सडकधरि पीच नहि कऽ सकल ओ बतओलन्हि ।
शहीद परिवारक नाम पर सरकार पूर्वमन्त्रीके भैैसी देने कहैत नेता यादव र्भैसीसँ लऽ कऽ होर्डिङबोर्डमे सरकार भ्रष्टाचार कएने दावा कएलन्हि । सरकारक एक मन्त्री सदनसँ अनुमोदित बजेटकेँ जबरजस्ती रकमान्तर कऽ अपन बेटा मेयर रहल नगरपालिकामे २४ करोड बजेट देब भ्रष्टाचारक पैघ प्रमाण रहल यादव बतओलन्हि ।

Have your say