बजारसँ घर घुरि रहल समय एक गोटे उपर छुरा प्रहार

जनकपुरधाम भादव २४ गते ।अज्ञात समुह छुरा प्रहार कऽ धनुषामे एक गोटेकेँ हत्या कएलक अछि ।मिथिला बिहारी नगरपालिका १० ठेरा निवासी ६० वर्षक रामवरण शर्माकँे अज्ञात व्यक्ति छुरा प्रहार कऽ हत्या कएने अछि ।
राति सवा ८ बजे तारापट्टि बजार सँ घर घुरि रहल समय वार्ड नं. ८ कचुरी नजदिन मोटरसाइकल पर आएल दू गोटे अज्ञात व्यक्ति शर्माकँे गरदनिमे छुरा प्रहार कऽ भागल छल ।
छुरा प्रहार सँ गम्भीर घाइल शर्माकेँ उपचारक लेल जनकपुर अंचल अस्पतालमे लाओल गेल समय मृत्यु भेल धनुषाका प्रहरी उपरीक्षक शेखर खनाल जानकारी देलन्हि अछि ।
प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार पिरा रंगक मोटरसाइकल पर सवार दू गोटे अज्ञात व्यक्ति शर्मा उपर छुरा प्रहार कऽ भागल छल ।
घटनास्थलमे रातिए उपरीक्षक खनालक नेतृत्वक टोली पहुँचल छल । घटनाक विषयमे विशेष अनुसन्धान भऽ रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *