सप्तरीमे सेहो भेटल डेंगु रोग

सप्तरी भादव २४ गते ।सप्तरीमे सेहो डेंगु रोगी भेटल अछि । एहि क्रममे सप्तरीक राजविराज स्थित गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालमे उपचारक लेल आएल एक ६० वर्षिय बृद्धमे डेंगु रोग भेटल अछि ।त्हिना उपचारक लेल राजविराज स्थित एक निजि क्लिनिकमे आएल एक महिला आ एक पुरुषमे सेहो डेंगु रोगक लक्षण देखल गेल क्लिनिकक संचालक जानकारी देलन्हि अछि ।
यद्धपी हुनकरसभक खुन परिक्षण भेलाक बाद मात्र डेंगु रहल वा नहि ताहिकेँ जानकारी होएबाक क्लिनिक संचालककेँ कहब छल ।
एम्हर उपचारक लेल आएल कंचनरुप नगरपालिका बैरवाक ६० वर्षिय राजेन्द्र पंजियारकँे खुन परिक्षण केला पर डेंगु रोगकँे पुष्टि भेलाक बाद प्रारम्भिक उपचार कऽ कऽ आओर विशेष उपचारक लेल बिराटनगर स्थित कोशी अंचल अस्पताल पठाओल गेल डा. रविरंजन प्रधान जानकारी देलन्हि अछि ।
उपचारक लेल आएल पंजियारकँे डा. प्रधान आ डा. रन्जित झा प्रारम्भिक उपचार कएने छलथि । हुनका विशेष उपचार आवश्यक पडला सँ बिराटनगर स्थित कोशी अंचल अस्पतालमे डेंगु रोग उपचारक उपकरण आ दवाई सहितक विशेषज्ञ टोली उपलब्ध रहला सँ ओतए पठाओल गेल अस्पताल प्रशासन जनौलक अछि ।
एहि सँ पहिने उपचारक लेल धरान आ बिराटनगर पहुँचल सप्तरीक दुू गोटेमे डेंगु रोग देखल गेल जानकारी प्राप्त भेल अस्पताल श्रोत जनौलक अछि ।
बेसी बोखार आएब, माथ दुःखाएब, देह दुखाएब, हौआएब, गलामे खसखस होएब, आँखि लाल होएब सहितक लक्षण डेंगु रोगक संकेत रहल कहैत डा. प्रधान मच्छरकेँ प्रकोप सँ बचए तथा सरसफाई पर विशेष ध्यान देबए सर्वसाधारणकेँ सुझाव सेहो देलन्हि अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *