Breaking-News

प्रहरी आ विप्लवबीच भिडन्त

Please follow and like us:

काठमाण्डु अखार २६ गते ।भोजपुर जिल्लाक सदरमुकाममे प्रहरी आ विप्वलके कार्यकर्ताबीच बुधदिन भिन्सर दुतर्फा भिडन्त भेल अछि । भिडन्तमे दु गोटेके मृत्यु भऽ गेल अछि ।
मृत्यु होबएबलामे एकटा प्रहरी आ दोसर विप्लव कार्यकर्ता रहल भोजपुरक प्रमुख जिल्ला अधिकारी नूरहरि खतिवडा बतओलन्हि ।
भोजपुर बजारक हटियालाइनक पानधारे होटलआगु ड्युटीमे रहल प्रहरी उपर विप्लव कार्यकर्ता नीरकुमार आक्रमण कएलाक बाद प्रहरी जवान सञ्जीव राई सेहो प्रतिकार कएने छलथि ।
दुनुगोटेके गोली लागल छल । गोली लागि कऽ घायल भेल दुनुगोटेके भोजपुर अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल खतिवडा बतओलन्हि ।
विप्लव कार्यकर्ता राईक साथसँ एकटा पेस्तोल आ ६ राउन्ड गोली बरामद भेल भोजपुर प्रहरी जनओलक अछि । राई ओखलढुङ्गाक पूर्वइन्चार्ज रहल बताओलगेल अछि ।
सरकार गत फागुनमे विप्लवके गतिविधिउपर प्रतिबन्ध लगओने छल । प्रतिबन्ध लगलगाक बाद विप्लव समूह आओ आक्रमक बनैत आबि रहल अछि ।
एहि क्रममे प्रहरीसँगक भिडन्तमे राईसहित विप्लवके सर्लाही इन्चार्ज कुमार पौडेल आ भोजपुरेमे विप्लव कार्यकर्ता तीर्थराज घिमिरेके मृत्यु भेल अछि । तहिन राजधानीमे अपने बम विस्फोट करएबाक तैयारी कऽ रहल समय वैशाखमे विप्लवके पाँच कार्यकर्ताके मृत्यु भेल छल ।

Have your say