Breaking-News

धनुषामे बालिका उपर सामूहिक बलात्कार

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २६ गते ।धनुषामे एक बालिका उपर सामूहिक बलात्कार भेल अछि । धनुषाक सबैला नगरपालिका–८ ठिल्लामे १४ वर्षीया एक बालिकाउपर सामूहिक बलात्कार भेल अछि ।
बालिका बलात्कार कएने आरोपमे प्रहरी दुगोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । बुधदिन भिन्सर मोटरसाइकल चढि कऽ अपन घरसँ भागि रहल अवस्थामे प्रहरी दुनु गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रवक्ता डिएसपी रामेश्वर कार्की जानकारी देलन्हि । प्रहरी स्थानीय ३० वषीृय मदिक राईन आ २६ वर्षीय मजिबुल राईनके नियन्त्रणमे लेने कार्की बतओलन्हि ।
मंगलदिन राति आँगनके कलमे पानि पिबए गेल समय बालिकाकेँ जबरजस्ती उठा कऽ घरसँ करिब पाँच सय मिटर दुर लऽ जा कऽ ओसभ बलात्कार कएने प्रहरी जनओलक अछि । प्रहरीके अनुसार बालिकाक माय आ बाबु दोसर कोठलीमे सुतल छल ।
घटना मंगलदिन राति भेलाक बादो अपनासभकेँ बुधदिन भिन्सर १०÷११ बजेमात्र पीडित परिवार खबर कएने प्रवक्ता कार्की बतओलन्हि । पीडित बालिकाक स्वास्थ्य परीक्षण करा कऽ नियन्त्रणमे लेलगेल दुनुगोटे विरुद्ध आवश्यक कानुनी प्रक्रिया आगु बढाआलगेल ओ जानकारी देलन्हि ।

Have your say