Breaking-News

कांग्रेस आ राजपाबीच गठबन्धन ?

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार २६ गते ।नेपाली कांग्रेस आ राष्ट्रिय जनता पार्टी(राजपा) बीच गठबन्धन होबए जा रहल अछि । साझा मुद्दामे सदनसँ सडकधरि एकहि मोर्चा बना कऽ संघर्ष करबाक दुनु दलबीच सहमति भेल अछि ।
अषाढ २० गते कांग्रेस सभापति शेरबहादुर देउवाक निवासमे दुनु दलबीचक छलफलमे साझा मुद्दा बना कऽ सदन आ सडक संघर्ष आगु बढएबाक सहमति भेल बताओलगेल अछि ।
राजपा नेपालक अध्यक्षमण्डलक संयोजक अनिल झा साझा मुद्दा आ एजेण्डामे मिल कऽ संघर्ष करबाक विषयमे कांग्रेससँ छलफल भेल स्वीकार कएलन्हि ।
‘सरकारमे रहल दलसभ राजपा नेपाल उठओने मुद्दाकेँ वेवास्ता कएने अछि । जे प्रतिपक्षमे अछि ओहाय साथ देलक तऽ गठबन्धन बनत,’ ओ कहलन्हि,‘सरकारमे रहल छोट दल सेना, परिचालन, मिडियासम्बन्धी विधेयकमे निक व्यवहार नहि देखओने अछि । लोकसेवा आयोगक विषयमे सेहो किछु नहि बाजल अछि ।’
लोकतान्त्रिक विधि, प्रक्रिया, समावेशी समानुपातिक प्रणाली कार्यान्वयन करबाक स्थान पर सरकार जनताप्रति निरंकुश होइत गेल दावा करैत संयोजक झा समयक माँग आ बाध्यताक कारण गठबन्धनक निष्कर्षमे पहुँचल बतओलन्हि ।
ओहि अनुसार मंगलदिन सर्लाही घटनाक विषयमे कांग्रेस आ राजपा एकसाथ सदन अवरुद्ध कएने संयोजक झा बतओलन्हि । तहिना बुधदिन सेहो बैठकके शुरुएमे कांग्रेस आ राजपाक सांसदसभ रोष्टम घेराव कऽ नाराबाजी कऽ रहल समय सभामुख कृष्णबहादुर महरा सचिव गोपालनाथ योगीकेँ सभामे उत्पत्ति भेल विनियोजन विधेयक २०७६, आर्थिक विधेयक २०७६, राष्ट्र ऋण उठाबएबला विधेयक २०७६, ऋण तथा जमान २३ अम विधेयक २०७६ के सम्बन्धमे राष्ट्रियसभासँ प्राप्त सन्देशके जानकारी कराबएलेल अनुमति देने छलथि ।
सचिव योगी नाराबाजीके बीचमे राष्ट्रियसभासँ प्राप्त सन्देश पढि कऽ सुनओने छलथि । कांग्रेस आ राजपा सर्लाही घटनाके छानबिन करबालेल संसदीय छानबिन समिति गठन करबाक माँग करैत आबि रहल अछि ।
सत्तारुढ दल समाजवादी पार्टीसँ एकीकरणके लेल वार्ता चलि रहल समय राजपा नेपाल आ कांग्रेस नजदिक हएबाक घटनाकेँ अर्थपूर्ण रुपेँ देखलगेल अछि ।
समाजवादी पार्टीसँ लम्बा समयसँ एकीकरणके लेल छलफल चलि रहलाक बादो एखनधरि कोनो नतिजा नहि निकललाक बाद राजपाक नेतासभ संशकिंत भेल छथि । समाजवादी पार्टी एकताके नाम पर ओझरा कऽ रखने महसुस भऽ रहल एक नेता जानकारी देलन्हि ।
समाजवादी पार्टी सरकारमे रहलाक बादो राजपा नेपालकेँ कोनो प्रकारक सहयोग नहि भेल अछि । राजपा नेपाल उठबैत आबि रहल माँगक विषयमे सरकारप्रति फोरम नेपाल दबाब बढएबाक स्थान पर चुपचाप बैसल राजपा निष्कर्ष निकाललक अछि ।
राजपा नेपालक एक एक नेता कहलन्हि,‘समाजवादी पार्टी सरकार छोडबाक मनस्थितिमे नहि अछि । मुदा सरकारमे रहियो कऽ संविधान संशोधन, लाल आयोगक प्रतिवेदन, रेशम चौधरीक मुद्दा, आन्दोलनकारी उपरके मुद्दा फिर्तासहितक विषयमे सरकारउपर दबाब बनएबाक चाही छल । ओतबो नहि कऽ सकल अछि । अपने सरकारमे रहब आ राजपा नेपालसँ एकीकरण करब कहि कऽ ओझारा कऽ रखने अछि ।’
एहिबीच मंगलदिन सम्पत्र राजपा नेपालक अध्यक्षमण्डलके बैठकमे राजेन्द्र महतोके आलोचना भेल अछि । समाजवादी पार्टीसँ एकता होबए जा रहल कहैत बार हल्ला कएलाक बादो पार्टीके कोनो जानकारी नहि रहल कहैत महतोके आलोचना भेल अछि । महतो राजपा गठन कएने वार्ता टोलीके संयोजक छथि ।
महतो समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवसँ नियमित छलफल कऽ रहल छथि । मुदा एखनधरि कोनो नतिजा नहि निकलल नेतासभ शिकायत कएने छलथि । जबाबमे महतो एकताब विषयमे बातचित भेलाक बादो खासे प्रगति नहि भेल बतओने बैठकमे सहभागी एक नेता जानकारी देलन्हि । ओहाय बैठक कांग्रेससँगक सहकार्यकें निरन्तरता दैत आगु बढबाक निष्कर्ष निकालने बताओलगेल अछि ।
कांग्रेस उपसभापति विमलेन्द्र निधि साझा एजेण्डामे दुनु पार्टी संसदमे एक स्थानमे रहत कहैत अन्य मुद्दाक विषयमे कोना आगु बढल जाए एहि विषयमे छलफल चलि रहल बतओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘एहि विषयमे एखन खासे कोनो प्रगति नहि भेल अछि ।’
राजपा नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीसँ सहकार्य कऽ कऽ एहिसँ पहिने गठबन्धन बनओलाक बादो कांग्रेससँ कहियो गठबन्धन नहि बनओने छल ।

Have your say