Breaking-News

भारतीय गाडीके चेकजाँच नहि करबालेल गृहके पत्र

Please follow and like us:

काठमाण्डु अखार ३ गते । तराई÷मधेशक सीमावर्ती क्षेत्रमे नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बल भारतीय गाडीक चेकजाँचमे कडाइ करबाक संगहि गृहमन्त्रालय निर्वाध आवागमन करए देबएलेल निर्देशन देलक अछि ।
जेठ २ गते काटलगेल ओ पत्र भारतसँगक सीमासँ जुडल २२ जिल्लाक प्रशासकसभकेँ पठाओलगेल अछि । झापा, मोरङ, सुनसरी, सप्तरी, सिरहा, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा, पर्सासहितक २२ जिल्ला प्रशासन कार्यालयकेँ गृह पत्र लिखने अछि । ओहि पत्रमे भारतसँ नेपाल प्रवेश करएबला मालबाहक गाडीकेँ कोनो जाँचबिना छोडबालेल आदेश देलगेल अछि ।
प्रहरी सीमा नाकासँ आबएबला गाडीके नियमित जाँच करैत आएल अछि । सीमा नाका भेलाक कारण विभित्र अवैध वस्तुसभ अएबाक, बिना कागजात गाडी नेपाली प्रवेश करब, तस्करीक समानसभ नेपाल आएबाक सम्भावना रहलाक कारण सीमा क्षेत्रमे प्रहरी जाँच करैत छल । मुदा एखन ओना नहि भऽ रहल अछि ।
गृह पठओने पत्रमे प्रहरीद्धारा ओभरलोड कहि कऽ ट्रक आ टेलरसभकेँ दुःख देबाक, जरिवाना तिरएबाक, हैरान करबाक आ २÷३ दिनधरि रोकि कऽ रखबाक काज भेल कहैत आबसँ जाँच नहि करबालेल कहलगेल अछि ।
प्रहरी कागजात नहि भेल, ओभरलोड भेल, भन्सार छलि कऽ आनलगेल मालबाहक गाडी आ सामानसभ बरामद कएलाक बादो गृहक ई पत्र तस्करीके बढाबा देने सीमा क्षेत्रक प्रहरी बतओलन्हि अछि ।

Have your say