Breaking-News

‘तराईक अधिकांश जग्गाके मालिक भारतीय’

Please follow and like us:

काठमाण्डु अखार ३ गते ।सत्तारुढ नेकपाक सांसद राधाकुमारी ज्ञवाली तराईक अधिकांश जग्गाके मालिक भारतीय रहल बतओली अछि । एहितर्फ सम्बन्धित सरोकारबलासभक पर्याप्त ध्यान नहि जा सकल हुनकर कहब छन्हि ।
‘तराईक हजारौं विघा जमिन चौधरीके नाममे अछि । ओसभ चौधरी भारतमे अछि । एहि प्रकारेँ अपनासभक देशक पैघ भूभागक मालिक नेपाल बाहर अछि । ओकरासभक नेपाली नागरिकता एखनो नहि अछि,’ सोमदिन संसदके कृषि तथा सहकारी तथा प्रकृतिक स्रोत समितिमे ज्ञवाली प्रश्न कएलहि,‘अनागरिककेँ अपनासभक देशक जग्गाके मालिक हएबाक अधिकार अछि की नहि ?’
विदेशीके नाम पर रहल जग्गा नेपाल सरकारके या जोतभोग कऽ रहल नेपाली नागरिकके नामपर अएबाक चाही हुनकर कहब छलन्हि । सभ जग्गासभकेँ एकीकृत कऽ सहकारीके मोडलमे जा कऽ जग्गाक उपभोग करबातर्फ सोचबा पर ज्ञवाली जोड देलीह । ऐलानी जग्गा उपभोग करैत आएलसभक हकमे सेहो बसोबासक व्यवस्था कऽ बाँकी जग्गा सहकारीके मोडलेमे लऽ जा कऽ उत्पादन बढाबएतर्फ ध्यान देबाक आवश्यक्ता रहल ओ बतओलीह ।

Have your say