Breaking-News

लोकसेवा विज्ञापनविरुद्ध विद्यार्थीसभक प्रदर्शन

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार ३ गते ।स्थानीय तहक विज्ञापन विभेदकारी रहल कहैत पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत सप्तरीक रुपनीमे विद्यार्थी संगठनसभ सोमदिन चक्का जाम कऽ प्रदर्शन कएलक अछि । विद्यार्थीद्धारा कएलगेल चक्काजामक कारण एक घन्टा सडक अवरुद्ध छल ।लोकसेवा विज्ञापन रद्द करबाक, लोकसेवा आयोगक अध्यक्षके राजीनामा, समावेशी सिद्धान्तक आधार पर विज्ञापन आव्हान करबाक सहितक माँग रखैत आन्दोलनरत विद्यार्थी संगठनक भिन्सर १० बजेसँ ११ बजेधरि चक्का जाम कऽ राजमार्ग अवरुद्ध कएने छल ।
आयोग संघीयता, समावेशी तथा समानुपातिक सिद्धान्तविपरित आव्हान कएने विज्ञापन सुधार नहि करएधरि विद्यार्थी संगठनसभ आन्दोलन जारी रखबाक चेतावनी देने अछि ।
नेवि संघ, राष्ट्रिय विद्यार्थी संघ, समाजवादी विद्यार्थी संघसहितक विद्यार्थी संगठनसभ लोकसेवा आयोगक विज्ञापनविरुद्ध चक्का जाम कऽ प्रदर्शन कएने छल ।

Have your say