Breaking-News

एसइईके नतिजा अषाढक दोसर सप्ताह

Please follow and like us:

जनकपुरधाम अखार ३ गते ।राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड एहि वर्षक माध्यमिक शिक्षा परीक्षा अर्थात एसइईक परीक्षाफल अषाढक दोसर सप्ताहभित्र सार्वजनिक करए जा रहल अछि । गत वर्ष अषाढ ९ गते नतिजा प्रकाशित भेल छल । मुदा एहि वर्ष प्रदेश २ क परीक्षा स्थगित भऽ पुनः परीक्षा सञ्चालन आ कर्मचारी समायोजनक कारण कर्मचारी अभाव भेलाक कारण नतिजा प्रकाशनमे ढिलाइ भेल बोड जनओलक अछि ।
देशभरिके उत्तरपुस्तिका परीक्षण सम्पत्र कऽ नम्बर इन्ट्रीके काज भऽ रहल जानकारी दैत बोर्डक परीक्षा उपनियन्त्रक चेतनाथ शर्मा अधिकतम अषाढक दोसर सप्ताहधरि नतिजा सार्वजनिक करबाक लक्ष्य लेलगेल बतओलन्हि ।
एहि वर्ष गत चैत १० गतेसँ शुरु भेल एसइई परीक्षामे नियमिततर्फ चारि लाख ७५ हजार विद्यार्थी सहभागी भेल छल ।
प्रदेश २ सँ ७२ हजार ४९ परीक्षार्थी सहभागी भेल अछि । जाहिमे छात्र ३७ हजार ४१ आ छात्रा ३५ हजार ८ अछि । प्रदेश २ क शिक्षा विकास निर्देशनालयके अनुसार एहि वर्षक एसइईमे सभसँ अधिक धनुषासँ ११ हजार १ सय ८८ आ सभसँ कम रौतहटसँ ७ हजार ६ सय ६९ परीक्षार्थी सहभागी भेल अछि ।
तहिना सप्तरीसँ ९ हजार ९८, सिरहासँ १० हजार ४५, महोत्तरीसँ ८ हजार १३, सर्लाहीसँ ९ हजार ५ सय २३, बारासँ ८ हजार १ सय २४ आ पर्सासँ ८ हजार ३ सय ८९ परीक्षामे सहभागी भेल अछि । प्रदेश २ क आठ जिल्लामे एसइई सञ्चालन करबालेल कूल २६३ परीक्षा केन्द्र निर्धारण कएलगेल छल । जाहिमे सभसँ अधिक धनुषामे ४३ आ सभसँ कम पर्सामे २४ टा परीक्षा केन्द्र कायम कएलगेल छल । तहिना स्पतरीमे ३४, सिरहामे ३८, महोत्तरीमे २९, सर्लाहीमे ३३, रौतहटमे ३० आ बारामे ३२ टा परीक्षा केन्द्र छल ।

Have your say