Breaking-News

महाधिवेशन पश्चात एहन होएत राजपा

Please follow and like us:

जनकपुुरधाम जेठ २४ गते ।राजपा नेपालक महाधिवेशनपश्चात १७१ सदस्यीय कार्यसमिति होबए जा रहल अछि । पार्टीक सहअध्यक्ष लक्ष्मणलाल कर्णक संयोजकत्वमे गठित विधान मस्यौदा तैयारी समिति तैयार कएने विधान मस्यौदामे केन्द्रीय समिति १७१ सदस्यीय होएत उल्लेख कएलगेल अछि ।
विधानअनुसार केन्द्रीय समिति आ अन्य समितिक अध्यक्ष एकटा समितिमे एक समयसँ अधिक नहि रहि सकैत अछि । ई बात विधानक विविध शीर्षकमे राखलगेल अछि ।
तहिना पार्टी अध्यक्षमात्र रहत तऽ उपाध्यक्ष ७ गोटे, महासचिव ३, सहमहासचिव ७, कोषाध्यक्ष १, सहकोषाध्यक्ष १ आ प्रवक्ता ती पदाधिकारी रहताह । एखनधरि राजपा नेपाल अध्यक्षमण्डल प्रणालीसँ चलि रहल अछि ।
कार्यसमितिमे ७० प्रतिशत निर्वाचित आ ३० प्रतिशत केन्द्रीय अध्यक्ष केन्द्रीय कार्य सम्पादन समितिक सिफारिसमे मनोनित करबाक विधानक मस्यौदामे उल्लेख अछि ।
पार्टीक प्रादेशीक समितिक अध्यक्ष आ भातृ संगठनक केन्द्रीय अध्यक्ष केन्द्रीय समितिक आमन्त्रित सदस्य रहत बताओलगेल अछि ।
६ टा विभित्र दल मिल कऽ बनल राजपा नेपालमे एखन अध्यक्षमण्डलमे ६ गोटे छथि । महाधिवेशनक बाद ६ मेसँ एकटा अध्यक्ष बनताह आ बाँकी पाँच गोटेकेँ वरिष्ठ नेता, उपाध्यक्षसँ लऽ कऽ केन्द्रीय परिषद्धरि व्यवस्थापन कएल जाएत बताओलगेल अछि ।
महाधिवेशनसँ राजपा नेपालमे केन्द्रीय परिषद् आ प्रदेश परिषद् गठन होएत । एहिसँ पहिने केन्द्रीय परिषद्के व्यवस्था नहि छल ।
केन्द्रीय परिषद्म केन्द्रीय समितिक सभ सदस्य, सल्लाहकार समिति, संघीय सांसद, प्रदेशसभा सदस्य, जिल्ला अध्यक्ष, जिल्ला समन्वय समितिक प्रमुख÷उपप्रमुख, नगरपालिका÷उपमहानगरपालिका÷महानगरपालिकाक निर्वाचित प्रमुखसभ पार्टीमे योगदान करएबला महत्वपूर्ण व्यक्तिकेँ मनोनित करबाक प्रावधान राखलगेल अछि ।
केन्द्रमे विभित्र १२ टा समिति रहत विधानमे उल्लेख अछि । केन्द्रीय कार्यसमितिम, केन्द्रीय परिषद्, केन्द्रीय राजनीतिक समिति, केन्द्रीय कार्य सम्पादन समिति, केन्द्रीय सचिवालय, केन्द्रीय सल्लाहकार समिति, केन्द्रीय संसदीय समिति, केन्द्रीय सचिवालय, केन्द्रीय सल्लाहकार समिति, केन्द्रीय संसदीय समिति, संघीय संसदीय दल, केन्द्रीय निर्वाचन समिति, केन्द्रीय अनुशासन समिति, केन्द्रीय लेखा परीक्षण समिति रखबाक प्रावधान कएलगेल अछि ।
तहिना पार्टीमे १९ टा भातृ संगठन रखबाक प्रावधान कएलगेल अछि । राष्ट्रिय विद्यार्थी संघ, राष्ट्रिय युवा संघ, राष्ट्रिय महिला संघ, राष्ट्रिय किशान संघ, राष्ट्रिय दलित संघ, राष्ट्रिय थारु÷राना थारु संघ, राष्ट्रिय मुस्लिम संघ, राष्ट्रिय आदिबासी जनजाती संघ, राष्ट्रिय प्रबाशी संघ, राष्ट्रिय बुद्धिजिबी संघ, राष्ट्रिय सास्कृतिक संघ, राष्ट्रिय सेबा निवृत राष्ट्र सेबक संघ, राष्ट्रिय अपाङ्ग संघ, राष्ट्रिय खेलखुद संघ, राष्ट्रिय भुतपुर्ब सैनिक संघ, राष्ट्रिय भुतपूर्व प्रहरी संघ, राष्ट्रिय सम्पर्क समिति, राष्ट्रिय सहकारी संघ, राष्ट्रिय ज्येष्ठ नागरिक संघ भातृ संगठनको रुपमे रहत बताओलगेल अछि ।
संगठन विभाग, अन्तर्रा्ष्ट्रिय विभाग, प्रचार प्रसार विभाग, प्रशिक्षण विभाग, आर्थिक विभाग, कानून विभाग, आदिवाशी जनजाती विभाग, थारु÷राना थारु विभाग, दलित विभाग, मुस्लिम विभाग, गैर सरकारी संस्था समन्वय विभाग, मानवअधिकार विभाग सहित १२ टा विभाग रहत ।
राष्ट्रिय पत्रकार संघ, राष्ट्रिय शिक्षक संघ, राष्ट्रिय प्रधायापक संघ, राष्ट्रिय कानून व्यवसायी संघ, राष्ट्रिय चिकितसक संघ, राष्ट्रिय ईन्जीनियर संघ, राष्ट्रिय स्वास्थ्यकर्मी संघ, राष्ट्रिय टे«डयूनियन महासंघ, राष्ट्रिय उद्योग व्यवसायी महासंघ, राष्ट्रिय वित्तिय कर्मचारी संघ, राष्ट्रिय कर्मचारी महासंघ गरि ११ सहितक शुभेच्छुक संगठन रहत ।

Have your say