Breaking-News

‘कम्युनिस्ट सरकार प्रजातन्त्रविरुद्ध लागि परल’

Please follow and like us:

जनकपुुरधाम जेठ २४ गते । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य प्रदीप गिरी कम्युनिस्ट नेतृत्वक वर्तमान सरकार प्रजातन्त्र समाप्त करबातर्फ उद्यत रहल आरोप लगओलन्हि अछि । अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता पर प्रतिबन्ध तथा भोगविलासमे लिप्त सरकार प्रजातन्त्र समाप्त करबातर्फ लागि परल गिरी बतओलन्हि अछि ।
राष्ट्रिय जागरण कार्यक्रमअन्तर्गत नेपाली कांग्रेस क्षेत्र नम्बर ३ वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने कार्यक्रममे बजैत नेता गिरी नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीक वर्तमान सरकार संघीयताक सिद्धान्तविपरित आगु बढि रहल बतओलन्हि ।
देशमे प्रजातन्त्र आ गणतन्त्र लएबामे नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह कएने स्मरण करबैत गिरी भविष्यमे सेहो एकर रक्षा कांग्रेसमात्र करत दावा कएलन्हि ।
भ्रष्टाचार आ लोकतन्त्रविरोधी गतिविधिमे संलग्न वर्तमान सरकारकेँ परास्त करबालेल जागरण कार्यक्रममार्फत एकजुट भऽ कऽ कांग्रेसके आगु बढब जरुरी रहल ओ उल्लेख कएलन्हि ।
संविधान संशोधन मधेशवादी दलक बुताके बात नहि रहल कहैत नेता गिरी ई काज सेहो कांग्रेसमात्र करत दावा कएलन्हि ।
कार्यक्रममे बजैत नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य महेन्द्र यादव जनतासं ठगि कऽ मत लेलाक बादो मधेशवादी दलसभ संविधान संशोधन करएबामे असफल रहल बतओलन्हि अछि । एखनुक संविधानके खराब कहैत आन्दोलनमार्फत मधेशीके शहादत दिआ कऽ मधेशवादी दलक नेतासभ सत्ताधरि पहुँचल हुनकर आरोप छलन्हि । ‘चुनावक समय ओसभ संविधान संशोधनक नामसँ मधेशी जनताक भोट लेलन्हि,’ नेता यादव कहलन्हि,‘ओहि बहानामे ओसभ सत्तामे सेहो पहुँचल छथि । संविधान संशोधन कहिया होएत आब जनताके पुछबाक समय आएल अछि ।’
नेकपाक सरकार कोनो हालतमे संविधान संशोधन नहि करत दावा करैत केन्द्रीय सदस्य यादव कांग्रेसक नेतृत्वमे मात्र ई काज होएत स्पष्ट कएलन्हि ।
क्षेत्रीय सभापति कन्हैया कर्णक सभापतित्वमे सम्पत्र कार्यक्रममे नेपाली कांग्रेसक प्रदेश २ क संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव, प्रतिनिधिसभा सदस्य मिनाक्षी झा, जिल्ला सभापति महेश शंकर गिरी, क्षेत्रीय सचिव दिनेशचन्द्र दीपक, हरी राउतसहितक नेतासभ सम्बोधन कएने छलथि ।

Have your say