Breaking-News

साउन १ गतेसँ काम रोकबाक निर्माण व्यवसायीक घोषणा

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ २३ गते ।नेपाल निर्माण व्यवसायी महासंघ साउन १ गतेसँ सभ निर्माण कार्य ठप्प करबाक निर्णय कएलक अछि । सार्वजनिक खरिद नियमावली (छठम संशोधन) २०७५ के किछु बुँदाविरुद्ध आन्दोलित महासंघ बुधदिन राजधानीमे राष्ट्रिय जमघटमार्फत नयाँ चरणक आन्दोलनके घोषणा कएलक अछि ।
साउन १ गतेसँ पहिनेके लेल महासंघ आन्दोलनक अन्य कार्यक्रम सेहो सार्वजनिक कएलक अछि । जाहिअनुसार व्यवसायी सरकारकेँ अपन इजाजत पत्र बुझाओत तऽ कार्यक्षेत्रमे कारीपट्टी बान्हि कऽ काज करत । संगहि निर्माण उपकरणमे सेहो कारी भण्डा राखत महासंघ जनओलक अछि ।
महासंघक अध्यक्ष रवि सिंहक अनुसार ७७ जिल्ला प्रशासन कार्यालय, प्रदेशमे मुख्यमन्त्री कार्यालय तथा केन्द्रमे सार्वजनिक खरिद अनुगमन कार्यालयमे व्यवसायीसभ धर्ना देताह । तहिना सडक पर शान्तिपूर्ण ¥याली आ बादमे अपन अपन हेभी उपकरणसहित प्रदर्शन करबाक कार्यक्रम महासंघ सार्वजनिक कएने अछि । जेठ १४ गतेसँ शुरु कएलगेल टेण्डर बहिष्कारक आन्दोलनकेँ सेहो महासंघ निरन्तरता देलक अछि ।
राष्ट्रिय जमघटके सम्बोधन करैत महासंघक अध्यक्ष सिंह निर्माण व्यवसायीसभक सुझावविरुद्ध आएल नियमावलीक किछु बुँदा समग्र निर्माण क्षेत्रकेँ तहसनहस बनाओत बतओलन्हि ।
‘नियमावलीक किछु बुँदा एतेक घातक अछि की ओहिसँ निर्माण क्षेत्रकेँ मात्र नहि अन्य क्षेत्रमे सेहो असर करैत देशक अर्थतन्त्रमे नकारात्मक प्रभाव परत निश्चित अछि,’ अध्यक्ष सिंह कलन्हि ।
जमघटमे देशभरिसँ आएल साढे पाँच सयसँ अधिक निर्माण व्यवसायी सहभागी छलथि ।

Have your say