Breaking-News

ओली आ प्रचण्डक लिस्ट माधवद्धारा अस्वीकार

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ २३ गते ।नेकपा केन्द्रीय सदस्यसभकेँ जिल्लाक ईञ्चार्जक जिम्मेवारी देबाक तैयारी कएने अछि । प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे बुधदिन बैसल सचिवालय बैठकमे एहि विषयमे सकारात्मक छलफल भेल अछि । एहि विषयमे अन्तिम निर्णय वृहस्पतिदिन भिन्सर होबएबला सचिवालय बैठक करत प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ जानकारी देलन्हि ।
प्रवक्ता श्रेष्ठक अनुसार जिल्ला इञ्चार्ज तय करबाक मोडालिटीके विषयमे मोटामोटी समझदारी बनल अछि । केन्द्रीय सदस्यकेँ इञ्चार्ज देबाक सम्भावना अछि ।
वृहस्पतिदिन भिन्सर जिल्ला इञ्चार्ज तथा सहइञ्चार्ज, पोलिटब्युरो गठन, जनवर्गीय संगठनक एकीकरण आ नेतासभक कार्यविभाजनसहितक विषयमे छलफल होएत ।
शीर्ष नेतासभबीच आओर गृहकार्य आवश्यक रहल कहैत वृहस्पतिदिन धरि बैठक स्थगित भेल अछि । आब जिल्ला इञ्चार्ज पूर्वएमाले भेल अवस्थामे सहइञ्चार्ज पूर्वमाओवादीके देबाक मापदण्ड बनाओलगेल अछि । तहिना जिल्ला अध्यक्ष एकतर्फक भेल अवस्थामे इञ्चार्ज दोसरतर्फक बनएबाक मापदण्ड तैयार भेल अछि । पार्टी अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री केपीशर्मा ओलीक समय अभावक कारण सेहो बैठकमे एहि विषयमे विस्तृत छलफल नहि भऽ सकल ओ स्पष्ट कएलन्हि ।
स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष ओली आ दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड संयुक्त रुपेँ तैयार कएने पार्टी जिल्ला कमिटीक इञ्चार्ज आ सहइञ्चार्जक सूचीमे वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल असहमति जनओने छथि ।
सांसद आ मन्त्री भेलसभकेँ पार्टी जिल्ला कमिटीक इञ्चार्ज आ सहइञ्चार्ज नहि देबाक अडान वरिष्ठ नेता नेपाल लेने बुझबामे आएल अछि । नेपालक अडानक कारण निर्णयक छलफल वृहस्पतिदिन राखलगेल अछि ।

Have your say