Breaking-News

प्रधानमन्त्री सभामुखसँ असन्तुष्टः ‘रेकर्ड डिलिट’ भेलाक बाद सम्बन्धमे खटास

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ ३ गते ।प्रधानमन्त्री प्रयोग कएने असंसदीय शब्द हटाआलगेल विषयकेँ लऽ कऽ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ सभामुख कृष्णबहादुर महराबीचक सम्बन्धमे खटास उत्पत्र भेल अछि ।
प्रधानमन्त्री देशसँ बाहर रहल समय सभामुख महरा प्रधानमन्त्री ओली प्रयोग कएने असंसदीय शब्द संसदके रेकर्डसँ हटाबएलेल निर्देशन देने रहथि । मुदा प्रधानमन्त्री स्वेद घुरबाक संगहि ओ सभामुखक एहि कदप्रति आक्रोश व्यक्त कएलन्हि अछि । भियतनाम आ कम्बोडिया भ्रमणसँ स्वदेश घुरबाक संगहि त्रिभुवन विमानस्थलमे ओली कहलन्हि,‘हम असंसदीय शब्द बाजले नहि छी, कियाक हटत ?’
प्रधानमन्त्री अपन सहकर्मीसभसँग सभामुखक भूमिकाप्रति असन्तुष्टि व्यक्त कएलन्हि अछि । सभामुख अधिक बुझए लागल छथि प्रधानमन्त्री प्रतिक्रिया देने छथि । एहिसँ संसद आ सरकारबीच टकरावक अवस्था सिर्जना करबाक खतरा देखलगेल अछि ।
भियतनाम आ कम्बोडियाक एक सप्ताहक औपचारिक भ्रमण पुरा कऽ स्वदेश घुरलाकबाद आयोजित पत्रकार भेटघाटमे एक प्रश्नके उत्तर दैत ओ कोनो अमर्यादित शब्द प्रयोग नहि कएने आ हटएबाक आवश्यक्ता सेहो नहि रहल बतओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘बल्कि संसदमे विपक्षी दल प्रयोग कएने शब्द अमर्यादित अछि । ओ शब्द हटाबए परत ।’
देशक सर्वोच्च संस्थाकेँ अपमान कऽ बहादुरी बुझएबला प्रवृत्ति गणतन्त्रउपर आक्रमण रहल कहैत प्रधानमन्त्री ओहिके संसदसँ सुधार करबा पर जोड देलन्हि । हुनकर शब्द रेकर्डसँ हटाओलगेलप्रति ओ अप्रत्यक्षरुपेँ असन्तुष्टि जनओलन्हि ।
सरकारक आर्थिक वर्ष २०७६÷७७ के नीति तथा कार्यक्रमउपर उठाओलगेल प्रश्नउपर प्रतिनिधिसभामे जबाब देबाक क्रममे गत वैशाख २४ गते प्रधानमन्त्री ओली आ प्रमुख प्रतिपक्षी सांसदबीच दुतर्फा सवाल जबाब चलल छल ।
सभामुख महरा वैशाख २७ गतेक बैठकमे ओहि क्रममे प्रयोग कएलगेल सभ असंसदीय अभिव्यक्ति अभिलेखसँ हटाबएलेल सचिवालयकेँ निर्देशन देने रहथि ।
राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी वैशाख २० गते नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करबाक क्रममे ‘हम्मर सरकार’ शब्दाबलीप्रति कतेको विपक्षी सांसदसभ व्यङुग्य कएनेप्रति प्रधानमन्त्री ओली अशोभनीय बतओने रहथि ।

Have your say