Breaking-News

सीके असन्तुष्ट पक्ष आ मोर्चाबीच एकता

Please follow and like us:

जनकपुरधाम जेठ ३ गते ।सीके राउतसँ असन्तुष्ट पक्ष आ जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाबीच एकीकरण भेल अछि । स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक नेतृत्व कऽ रहल राउत मूलधारक राजनीतिमे अओलाक किछुएदिन बाद असन्तुष्ट पक्ष डा.मनोज मुक्तिक नेतृत्वमे रहल जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चासँ एकीकरण कएने अछि ।
एकीकरणक सम्झौतापत्रमे मोर्चाक तर्फसँ मुक्ति आ गठबन्धनक असन्तुष्ट पक्षसँ जासर यादव हस्ताक्षर कएने छथि । एकीकरणपश्चात जारी कएलगेल संयुक्त विज्ञप्तिमे मधेशकेँ सभ धोखा देने कहैत मधेश मुक्तिके लेल आगु बढल जाएत बताओलगेल अछि । संगहि जेठ २० गते निर्वाचन आयोगमे पार्टी दर्ता करबाक तैयारी रहल जनाओलगेल अछि ।

Have your say