Breaking-News

‘गलत काम करएबलाकेँ नहि छोडल जाएत’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम जेठ ३ गते ।प्रदेश २ क प्रहरी प्रमुख हरिबहादुर पाल गलत काम करएबलाके कोनो हालतमे नहि छोडल जाएत बतओलन्हि अछि । समाज आ राष्ट्रके लेल इमानदारीसाथ काज करबालेल ओ तत्पर रहल कहैत डीआइजी पाल कानूनविपरित होबएबला काज सह्य नहि होएत स्पष्ट कएलन्हि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय परिसरभितर नवनिर्मित प्रहरी ब्यारेक भवनके वृहस्पतिदिन पाल कहलन्हि,‘गलत काज करएबला कोनो हालतमे नहि बाँचत । हम अपने सेहो गलत काज नहि करब, नहि गलत करएबलाके साथ देब ।’ सही आ गलतके मूल्यांकन समाज करत हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेश २ मे बिचौलियासभ सेहो सक्रिय रहल ओ बतओलन्हि । ‘हमरा बुझल अछि प्रदेश २ मे बिचौलियासभ सक्रिय अछि,’ ओ कहलन्हि,‘बिचौलियासभ गामक सोझसाझ जनतासँ गलत लाभ उठाओल करैत अछि । ओहन बिचौलियासभकेँ कोनो गोटे प्रोत्सहान नहि करु । कोनो समस्या आएल अवस्थामे सोझे प्रहरीके खबर करु । बिचौलिया नजदिक जएबाक जरुरी नहि अछि ।’
डीआईजी पाल प्रहरी संगठनसँ आवद्ध व्यक्तिसभकेँ सेहो गलत काज नहि करबाक चाही बतओलन्हि अछि ।‘प्रहरीके नोकरी राष्ट्र आ जनताक सेवा करबालेल अछि । पैसा कमाएके अछि तऽ दोसर व्यवसाय कएलासँ हएतैक ।’
प्रहरी असगरे किछु नहि कऽ सकैत अछि कहैत ओ समाजमे शान्ति सुरक्षाव्यवस्था बनाबएलेल सभहक सहयोग जरुरी रहल बतओलन्हि । सकारात्मक सोँचके साथ आगु बढैत गलत आ सहीके मूल्यांकन करबालेल पाल आग्रह कएलन्हि ।
कार्यक्रममे धनुषाक प्रहरी प्रमुख शेखर खनाल अपने ब्यारेक निर्माण भऽ गेलाक बाद प्रहरी आवासक समस्या अन्त भेल बतओलन्हि । जिल्लामे शान्ति सुरक्षा कायम करबालेल धनुषा प्रहरी हरसमय तत्पर रहल ओ उल्लेख कएलन्हि ।
१ बिघा ५ कठ्ठा १५ धुर क्षेत्रफल जमीनमे जिल्ला प्रहरीके तीन मझिला भवन ४ करोड ६५ लाख १८ हाजर २ सय ५३ रुपैयाँक लागतमे निर्माण भेल अछि । तीन मझिला भवनक सभसँ निचा महिला प्रहरीके आवासक व्यवस्था कएलगेल अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे एखन १ सय ५० प्रहरी कार्यरत अछि । अपन ब्यारेक नहि रहलासँ जिल्ला प्रहरी कार्यालयक ठीक आगु रहल महेन्द्रनारायण निधि सांस्कृतिक प्रतिष्ठानक भवनमे प्रहरी रहैत आबि रहल छल । सांस्कृतिक भवनक सदुपयोग नहि होबए सकल कहैत खाली करबालेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय उपर दबाब बढैत आबि रहल छल ।

Have your say