‘राजा फेकने जनता ई सरकार खसाबएमे नहि डराओत’

काठमाण्डु जेठ २ गते ।मानवअधिकारकर्मी आ पत्रकार मिडिया काउन्सिलसम्बन्धी विधेयक लाबि कऽ स्वतन्त्र प्रेसउपर कडाइ कएल जा रहल आरोप लगओलन्हि अछि । ओसभ अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताउपर एहने रवैया कायम रहल तऽ राजा फेकने जनता वर्तमान सरकार सेहो खसा कऽ छोडत बतओलन्हि ।बुधदिन काठमाण्डुमे भेल नागरिक संवाद कार्यक्रममे सरोकारबलासभसँ छलफल नहि कऽ विधेयक आनलगेल कहैत नेपाल पत्रकार महासंघ आपत्ति प्रकट कएलक अछि । महासंघक उपाध्यक्ष विपुल पोखरेल कहलन्हि,‘हमसभ अपन अधिकारके लेल बहुत पहिनेसँ लडैत आबि रहल छी । सरकार अधिकार छिनबाक अर्थ अछि अपन आयु समाप्त करब । राजा फेकएबला जनता दु तिहाइक सरकार खसाबएमे कोनो समय नहि लागत ।’
कार्यक्रममे बजैत मानवअधिकार आयोगक पूर्वसदस्य गौरी प्रधान जनता बनओने सरकार जनताकेँ धोखा देबए लागल आरोप लगओलन्हि । ओ सरकारविरुद्ध जनता सडकमे आएल तऽ किछु भऽ सकैत अछि चेतावनी देलीह ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *