Breaking-News

विवादित विधेयक फिर्ता नहि होबए धरि संसद नहि चलए देबाक चेतावनी

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ २ गते ।प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस तीनटा विवादित विधेयक फिर्ता नहि होबए धरि संसद बैठक अवरुद्ध करबाक चेतावनी देलक अछि । बुधदिन सम्पत्र संसदीय दलक बैठक मिडिया काउन्सिल विधेयक, राष्ट्रिय सुरक्षा परिषद् विधेयक आ राष्ट्रिय मान अधिकार आयोग विधेयक फिर्ता लेबएलेल सरकारसँ आग्रह कएलक अछि । विधेयक फिर्ता नहि भेल अवस्थामे संसद बैठक अवरुद्ध करबाक कार्यक्रम लाओल जाएत सांसद डिला संग्रौला बतओलीह । विधेयक फिर्ता नहि भेल तऽ कांग्रेस सशक्त रुपेँ प्रस्तुत होएत ।
बैठकमे संसदीय दलक नेता एवं पार्टी सभापति शेरबहादुर देउवा सशक्त रुपेँ उतरबालेल सांसदसभकेँ निर्देशन देने छलथि । संग्रौला कहलीह,‘सभापती संसदमे सशक्त रुपेँ प्रस्तुत होबएलेल निर्देशन देलन्हि अछि । सरकार विधेयक फिर्ता नहि लेलक तऽ सदन अवरुद्ध करबाक संगहि सडक संघर्ष सेहो भऽ सकैत अछि ।’
कांग्रेस नेता एवं सांसद भीमसेनदास प्रधानक अनुसार बैठकमे तीनु विधेयकके विषयमे छलफल भेल छल । छलफलमे विधेयक लोकतन्त्र विरोधी रहल निष्कर्ष निकाललगेल ओ जानकारी देलन्हि । ओ कहलन्हि,‘तीनु विवादित विधेयक फिर्ता लेबएलेल आग्रह करबाक निर्णय भेल अछि ।’
राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगक विधेयकमार्फत सरकार आयोगक अधिकार कटौती करए चाहि रहल आरोप लगैत आबि रहल अछि । आयोग स्वयं ओहि विधेयकके विषयमे आपत्ति जनबैत आबि रहल अछि । कांग्रेसक प्रमुख सचेतक बालकृष्ण खाँड आयोगक अधिकार कटौती कऽ लोकतन्त्रउपर हस्तक्षेप करबाक प्रयास कएलगेल आरोप लगओलन्हि । नेपाली सेनाकेँ सेहो नियन्त्रण करबाक प्रयास कएलगेल कहैत सुरक्षा परिषद्सम्बन्धी विधेयक फिर्ता लेबाक अडान ओ दोहरओलन्हि ।
एहिबीच कांग्रेसक सरकार रहल समय २०४८ सालमे प्रेस काउन्सिलसम्बन्धी विधेयक आएल उल्लेख करैत सांसद संग्रौला कांग्रेस मिडियाकेँ देने स्वतन्त्रता नेकपा सरकार छिनए चाहि रहल दावा कएलीह । मिडियाकेँ नियन्त्रण कऽ कम्युनिस्ट सरकार अधिनायकवाद देखाबए चाहि रहल ओ आरोप लगओलीह अछि ।
मिडिया काउन्सिल विधेयकके विरोधमे नेपाल पत्रकार महासंघसहित विभित्र संगठनसभ विरोध करैत आबि रहल अछि ।

Have your say