Breaking-News

अख्तियारक पूर्व आयुक्त पाठक धरौटीमे रिहा

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ २ गते ।अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक पूर्वआयुक्त राजनारायण पाठक ७८ लाख धरौटी बुझा कऽ रिहा भेल छथि । विशेष अदालत पाठकसँ धरौटीस्वरुप ७८ लाख रुपैयाँ धरौटी मँगलाक बाद ओ बैंक ग्यारेन्टीमे रिहा भेल छथि ।नेपाल बंगलादेश र्बैक ग्यारेन्टी देलाकबाद पाठक रिहा भेल छथि । विशेष अदालतक अध्यक्ष बाबुराम रेग्मी, सदस्य तथा न्यायाधीशसभ द्धारिकामान जोशी आ प्रमोदकुमार श्रेष्ठ वैद्यक इजलास बुधदिन पाठकसँ ७८ लाख धरौटी माँग कएने छल ।
७८ लाख घुस लेने अभियोगमे ओ भ्रष्टाचारक मुद्दा खेप रहल छथि । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग अपन पूर्वआयुक्त राजनारायण पाठकविरुद्ध घुस लेने अभियोगमे चैत १२ गते विशेष अदालतमे भ्रष्टाचार मुद्दा दायर कएने छल । मुद्दाक बयानके लेल पाठक बुधदिन विशेष अदालतमे हाजिर भेल छलथि ।
बयानक क्रममे पाठक ओ ७८ लाख रुपैयाँ लेने बात सरासर झुठ रहल बतओलन्हि अछि । ओ कहलन्हि,‘हम ७८ लाख रुपैयाँ लेने आरोप झुठ अछि, एहिमे हमरा नियतबस फसाओलगेल अछि ।’
भक्तपुरक नेपाल इन्जिनियरिङ कलेजक सम्पत्ति बाँटफाँटसम्बन्धी मुद्दा मिला देब कहैत ७८ लाख घुस लेने भिडियो सार्वजनिक भेल छल । पाठककेँ घुस देबएबला चाँगुनारायण भक्तपुरस्थित नेपाल इन्जिनियरिङ कलेजक अध्यक्ष लम्बोदर न्यौपाने फरार अछि ।

Have your say