Breaking-News

कर्मचारी बदलीके विषयमे मन्त्री यादव आ कर्मचारीबीच बबाल

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ २ गते ।उद्योग विभागक कर्मचारीके बदलीके विषयमे विवाद भेलासँ उद्योग वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालयमे मारिपिटक अवस्था उत्पत्र भेल अछि । उद्योग मन्त्रालयक कर्मचारी बदलीमे मन्त्रालयसँ आर्थिक लेनदेन भेल कहैत कांग्रेस निकट कर्मचारीसभ मन्त्रालय पहुँचल छल ।
मन्त्रालय पहुँचल कर्मचारीसभ उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्री मातृका यादवक निजी सचिव घुस लेने आरोप लगलाक बाद मन्त्रालयमे बाबल मचल छल ।
मन्त्रीके निजी सचिव प्रेम आचार्य घुस लऽ कऽ अपनासभक बदली कएने आरोप लगबैत कर्मचारीसभ विरोधमे उतरलाक बाद बुधदिन आपूर्ति मन्त्रालयमे लफडा भेल छल । मन्त्रालय मापदण्ड नहि बना पदस्थापन कएन निजी सचिव आचार्य घुस खएने आरोपसहित हुनकर कार्यकक्षमे पहुँचल कर्मचारी युनियन संघक वरिष्ठ उपाध्यक्ष सुरेन्द्र अधिकारी आ उपाध्यक्ष उत्तम कटुवाल नेतृत्वक टोलीसँ विवाद भेल छल ।
घुस लऽ कऽ बदली कएलगेल कहैत निजी सचिव आचार्यउपर आरोप लगलाकबाद कार्यकक्षमे रहल मन्त्री यादव आक्रोशित होइत बाहर निकलल छलथि । मन्त्री यादव कहने छलथि,‘झगडा करएबला के अछि, घुस लेने कहएबला के अछि ? प्रमाण की अछि , पुष्टि करु । नहि तऽ एहिठाम थुनिदेब ।’ मन्त्री यादव गेट बन्द करबालेल निर्देशन देबाक संगहि करिब एक दर्जनके संख्यामे रहल कर्मचारीसभ ओतहसँ निकलल छलथि । ओहि समय मन्त्री यादव कर्मचारीसभक सर्ट पकरने बताओलगेल अछि ।
मन्त्री यादवक निजी सचिव आचार्य ओ कर्मचारीसभ उद्योग विभाग नहि जा सकल झोंकमे घुस लेने आरोप लगओने दावा कएलन्हि ।
गृहमन्त्रालयसँ हटाओलगेल उपसचिव विनोद खड्काकेँ उद्योग मन्त्रालय आर्थिक लेनदेन कऽ उद्योग विभागमे पदस्थापन कएने, शाखा अधिकृत अर्जुन राईकेँ अध्ययन छुट्टी समाप्त भेला वर्ष दिन पहुँचएसँ पहिने उद्योग विभागमे बदली कएने कहैत कर्मचारीसभ विरोध जनओने छल ।

Have your say