Breaking-News

प्रतिपक्षके संगहि सत्तापक्षधर सांसदद्धारा प्रदेश सरकारक आलोचना

Please follow and like us:

जनकपुरधाम जेठ २ गते ।सरकारक कामकारबाहीकेँ प्रतिपक्ष दलक सांसद विरोध करब सामान्य मानल जाइत अछि । मुदा सत्तागठबन्धनक सांसदद्धारा सरकारक आलोचना हुए तऽ एकरा गम्भीर रुपेँ लेल जाइत अछि ।
एहि अवस्थासँ एखन प्रदेश २ सरकार गुजरि रहल अछि । प्रदेश सरकारक कामकारबाहीके विषयमे विपक्षी दलमात्र नहि स्वयं सरकारमे सहभागी दलक सांसद आलोचना शुरु कएलक अछि । मंगलदिन आ बुधदिनक बैठकमे प्रतिपक्षी दलक संगहि सत्तागठबन्धनक राजपाक सांसदसभ सरकारके कडा आलोचना कएलन्हि अछि ।
राजपाक प्रदेशसभा सदस्य बाबुलाल साह सरका प्रतिपक्षीसँग कएने भद्र सहमति कियाक कार्यान्वयन नहि भेल कहैत मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके घेरबाक प्रयास कएने छलथि । मुख्यमन्त्री प्रतिपक्षी दलसँग कएने सहमति कार्यान्वयन नहि भेलाक कारण प्रदेशसभा बैठक बेरबेर अवरुद्ध कएलगेल हुनकर कहब छलन्हि ।
‘मुख्यमन्त्री आइ अपन गल्ती स्वीकार कऽ रहल छथि,’ साह कहलन्हि, ‘सरकार आ प्रतिपक्षीबीचक भद्र सहमति कियाक कार्यान्वयन नहि भेल ? सभकिछु जानकारी रहलाक बादो मुख्यमन्त्री कियाक आगु बढलथि ?’
सरकार गठन भेला १४ महिना बितगेलाक बादो परिपक्वता नहि देखा सकल प्रदेससभा सदस्य साह आरोप लगबैत प्रतिपक्षीके आगु सरकार निरिह बनल बतओलन्हि । ‘जनता आवास कार्यक्रममे प्रतिपक्षकेँ समावेश करा कऽ सरकार अपन निरिहिता प्रदर्शन कएने अछि,’ साह बतओलन्हि ।
तहिना नेपाली कांग्रेसक प्रदेशसभा सदस्य शेख रसिद अली प्रदेश सरकार असफल भऽ चुकल आरोप लगओलन्हि । सरकार चलएबाक तरिका बिल्कुले गलत रहलाक कारण सत्तारुढ दल सेहो सरकारक विरुद्ध उतरलाक कारण असफलताक पुष्टि भेल हुनकर कहब छलन्हि । १५ महिनाक अवधिमे सेहो प्रदेशक नाम आ राजधानीक विषयमे निर्णय नहि करएबलासभकेँ सरकारमे रहबाक कोनो हक नहि रहल ओ बतओलन्हि ।
अन्य प्रदेशसँ प्रदेश २ क शिक्षाक स्तर कमजोर रहलाक बादो प्रदेश सरकार स्थिति सुधार करबालेल कोनो कदम नहि उठओने कहैत प्रदेशसभा सदस्य अली सरकारक आलोचना कएलन्हि ।
नेकपाक सांसद रामकुमार यादव प्रदेशमे राष्ट्रियता आ नागरिकताक अवस्था एकदम गम्भीर अवस्थामे रहल बतओलन्हि । २०६२÷०६३ मे जन्मके आधारमे नागरिकता प्राप्त व्यक्तिसभक सन्तानके नागरिकता देबाक रहलाक बादो भारतीयसभ धमाधम नागरिकता लऽ रहल दावा करैत एहितर्फ गतिविधि नियन्त्रण करबालेल सरकारके ध्यानाकर्षण करओने छलथि ।
सरकारक नेतृत्व कऽ रहल समाजवादी पार्टीक सांसद पारस साह सरकारके बचाव कएने छलथि । राजपा सांसद उठओने प्रश्नके जबाब दैत समाजवादी पार्टीक सांसद साह जनता आवास कार्यक्रममे प्रतिपक्षीकेँ सेहो सहभागी करा कऽ सरकार निरिह नहि भऽ सभकेँ सँगे लऽ जएबाक प्रयास कएने प्रष्टिकरण देने छलथि ।
‘अधिकार लेबएलेल प्रदेश सरकार संघर्ष कऽ रहल अछि, अधिकार नहि रहलाक बाद केहन अवस्था रहैत अछि,’ प्रदेशसभा सदस्य यादव कहलन्हि,‘कर्मचारी नहि रहलाक बादो प्राप्त उपलब्धिके सरकार धैर्यतापूर्वक संस्थागत करबाक प्रयास कऽ रहल अछि । सरकारकेँ सभके धन्यवाद देबाक चाही ।’

Have your say