Breaking-News

श्रीलंकामे हिंसाके बाद कफ्र्यु

Please follow and like us:

एजेन्सी, जेठ ०१ गते ।श्रीलंकाक अल्पसंख्यक मुस्लिम समुदायउपर हिंसा बढलाक बाद सरकार रातिक समयमे कफ्र्यु आदेश जारी कएलक अछि । मस्जिद तथा मुसलमानसभक व्यापारिक प्रतिष्ठानमे हिंसा बढल कहैत श्रीलंका सरकार देशभरि रातिके समयमे कफ्र्यु आदेश जारी कएने अछि ।उत्तर पश्चिमी क्षेत्रमे रहल कुरुनेगाला जिल्लामे अल्पसंख्यक मुसलमान समुदाय आ बहुसंख्यक बुद्धमार्गी समूहबीच हिंसात्मक झडप भेलाक बाद कफ्र्यु आदेश जारी कएलगेल अछि ।
श्रीलंकाक प्रहरी प्रवक्ता एसपी रुवान गुणशेखर उत्तर पश्चिमी शहरस कुलियापिटिया, विङुगीरिया, हेट्रटीपोला, रसनायकापुर आ कोवैगानेका नगर क्षेत्रमे कफ्र्यु आदेश जारी कएलगेल बतओलन्हि ।
दु समुदायबीच भेल पछिला झडपमे मुसलमानससभक धार्मिक आस्थाक केन्द्र मस्जिदसभक सम्पत्तिमे क्षति पहुँचल अछि । झडपके बाद हिंसाक घटना रोकबालेल प्रशासन पैघ संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने अछि ।
एहिबीच प्रधानमन्त्री रनिल विक्रमासिंघे विज्ञप्ति जारी करैत सभ समुदायकेँ संयमित रहबालेल आग्रह कएलन्हि अछि । विज्ञप्तिमे गलत तथा भ्रामक सूचनासँ प्रभावित नहि होबएलेल आग्रह कएलगेल अछि । सरकार गलत सूचना सम्प्रेषणके रोकबालेल फेसबुक, ह्वाट्सएपसहितक समाजिक सञ्जाल अनिश्चितकालके लेल बन्द कऽ देने अछि ।

Have your say