Breaking-News

पत्रकारकेँ जान मरबाक धम्कीप्रति महासंघक ध्यानाकर्षण

Please follow and like us:

काठमाण्डु जेठ ०१ गते ।अन्तर्वार्ताक विषयके लऽ कऽ पत्रकारकेँ देलगेल जान मरबाक धम्की तथा कार्यालय तोडफोडक घटनाप्रति नेपाल पत्रकार महासंघ गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल जनओलक अछि ।महासंघ मंगलदिन विज्ञप्ति निकालैत रविदिन एभिन्युज टेलिभिजनमे समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवसँग पत्रकार सुशील पाण्डेद्धारा लेलगेल अन्तार्वार्ताके विषयमे जान मरबाक धम्कीके संगहि एभिन्युजक वीरगंजस्थित कार्यालयमे भेल तोडफोडक घटनाप्रति ध्यानाकर्षण भेल जनओलक अछि ।
समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष यादवसँग पत्रकार पाण्डेद्धारा लेलगेल अन्तर्वार्ताके लऽ कऽ पत्रकार पाण्डेकेँ विष्णुजंग बस्नेत नामक व्यक्ति ९८५१००५१८० नम्बरक मोबाइलसँ फोन कऽ जान मारएके धम्की देने छल तऽ ओहि विषय लऽ कऽ समाजवादी पार्टीक कार्यकर्तासभ टेलिभिजनक वीरगंज कार्यालयमे आक्रमण आ तोडफोड कएने महासंघक महासचिव रमेश विष्ट जारी कएने विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि ।
समाचारक विषयके लऽ कऽ पत्रकारकेँ जान मारएके धम्की देब आ सञ्चारगृहमे तोडफोड करब प्रेस स्वतन्त्रताविरोधी कार्य रहल कहैत महासंघ प्रेस विरोधी एहन काजके कडा शब्दमे भत्र्सना कएने जनओलक अछि । दुनु घटनामे संलग्न उपर तत्काल कानुनी कारबाही करबालेल आ पत्रकार तथा सञ्चारगृहम सुरक्षामे गम्भीर बनलोल सम्बन्धित निकायसँ महासंघ माँग कएलक अछि । संगहि महासंघ सञ्चारकर्मीकेँ सेहो समाचार सामग्री सम्प्रेषण करबाक क्रममे आचारसंहिता पालन करबालेल आ मर्यादित रहबालेल आग्रह कएने अछि ।

Have your say