Breaking-News

‘मिडिया काउन्सिल विधेयक फिर्ता नहि होएत’

Please follow and like us:

चितवन जेठ ०१ गते । सूचना, सञ्चार तथा प्रविधिमन्त्री गोकुल बाँस्कोटा सरकार लओने मिडिया काउन्सिल विधेयक फिर्ता नहि हएबाक अडान दोहरओलन्हि अछि । चितवनके सौराहामे मंगलदिन नेपाल टेलिकमक एफटिटिएच सेवा उद्घाटन कार्यक्रमकेँ सम्बोधित करैत मन्त्री बाँस्कोटा विधेयक कोनो हालतमे फिर्ता नहि होएत बतओलन्हि ।
पत्रकारिताकेँ आओर व्यवस्थित बनाबएलेल विधेयक आनलगेलाक कारण आवश्यक परला पर संशोधन करबालेल तैयार रहल मुदा फिर्ता नहि होएत ओ बतओलन्हि । ओ प्रेस स्वतन्त्रताकेँ कमजोर बनएबाक काज सरकार नहि करत उल्लेख करैत पत्रकारक खोल ओढि कऽ आतंक फैलाबएबला उपर कानुनी कारबाही सेहो होएत चेतावनी देलन्हि ।
पत्रकारक न्यूनतम पारिश्रमिक, समानुपातिक विज्ञापनप्रणालीसहित आर्थिक स्वतन्त्रताके विषय विधेयकमे उल्लेख कएलगेलाक कारण प्रमाणसहित समाचार लिखएबला पत्रकारकेँ समस्या नहि परत मन्त्री बाँस्कोटोके दावा अछि ।
नेपालसहित अन्तर्राष्ट्रिय अनुभव, प्रणाली आ व्यवस्थाकेँ सेहो मध्यनजर करैत सरकार सभ क्षेत्रकेँ समयसापेक्ष व्यवस्थित बनएबाक अभियानअन्तर्गत विधेयक लओने हुनकर कहब छलन्हि । समाजकेँ, राज्यकेँ, देशके शान्तिकेँ चुनौती देबएबला सामग्री सेहो आएल करैत अछि कहैत ओ कहलन्हि,‘कलम अछि, बन्दुक अछि कहैत जतह मन लागल ओतहि नहि चलाओल जा सकैत अछि । प्रेसउपर नियन्त्रण नहि, नियमन हएतैक ।’

Have your say