Breaking-News

‘मापसे’ के बाद आब ‘लापसे’ जाँच

Please follow and like us:

जनकपुरधाम जेठ ०१ गते ।मादक पदार्थ सेवन कऽ कऽ सवारी साधन चलाबएबलाके कारबाही करबालेल प्रहरी किछु वर्ष पहिने ‘मापसे’ जाँच शुरु कएलक । ‘मापसे’ जाँचक क्रममे सयौं सवारी चालक कारबाहीमे परल आ लाखौं रुपैयाँ जरिवाना असुल भेल । मापसे जाँचमे परलसभ धिरेधिरे सचेत भेल आ एखन ओहि संख्यामे किछु हदधरि कमी सेहो आएल अछि ।
आब प्रहरी मापसे जँका दोसर अभियान शुरु कएलक अछि । आ, ओ अछि ‘लापसे’ । अर्थात लागु पदार्थ सेवन जाँच । प्रदेश २ प्रहरी मापसेके संगहि लागुपदार्थ सेवन कऽ सवारी चलओने नहि चलओने जाँच शुरु कएलक अछि ।
मदाक पदार्थके संगहि लागुऔषध प्रयोग कऽ सेहो सवारी चलाबएबलाक संख्या बढलाक बाद ई अभियान शुरु कएलगेल प्रदेश २ क ट्राफिक प्रमुख एसपी योगबहादुर पाल बतओलन्हि । पछिला दु महिनासँ शुरु कएलगेल एहि अभियानक क्रममे लागुपदार्थ सेवन कऽ कतेको सवारी चालक अपन गल्ती स्वयं स्वीकार कएने ओ बतओलन्हि अछि ।
मापसे जाँच करबालेल प्रहरी ‘बे्रथेलाइजर’ प्रयोग करैत आबि रहलाक बादो लापसे जाँच करबालेल पेसाबक परीक्षण कएल जाइत अछि । अभियानतहत प्रहरी बारा आ सप्तरीमे किछु सवारी चालककेँ लागुपदार्थ सेवन कएने–नहि कएने जाँच कएलक अछि । प्रहरी बारामे ५३ आ सप्तरीमे १० टा सवारी चालकके पेसाब परीक्षण कएने अछि । जाहिमेसँ दु गोटे लागुऔषध गाँजा सेवन कऽ सवारी चलओने देखलगेल एसपी पाल बतओलन्हि । लागुपदार्थ सेवन कऽ सवारी चला रहल अवस्थामे पकराएल दुनुगोटेके जरिवाना कऽ प्रहरी छोडने छल ।
नार्कोन नामक एक संस्था प्रदेश २ ट्राफिक प्रहरी कार्यालय पथलैयाकेँ उपलब्ध करओने ‘ड्रग यूरिन टेस्ट किट’ क सहयोगसँ लापसे जाँच कएलगेल अछि । जाँचक क्रममे सवारी चालककेँ एकटा डिब्बा दैत ओहिमे पेसाब लाबएलेल कहल जाइत अछि । पेसाबमे किट रखलाक बाद लागुऔषध सेवन कएने नहि कएने बुझबामे अबैत अछि ।
दुर्घटना न्यूनीकरण करबालेल ई अभियान प्रारम्भ कएलगेल पाल बतओलन्हि । हुनकअनुसार लापसे जाँच करएबला किट उपलब्ध कराबएलेल उपरका निकायमे आग्रह कएलगेल अछि आ अबैते आठु जिल्लामे जाँच शुरु होएत । एसपी पाल प्रदेश २ क सभ जिल्लालेल १ हजार ६६ किट उपलब्ध करएबालेल माँग कएलगेल जानकारी देलन्हि । एखन प्रदेश २ क बारा आ सप्तरीमे मात्र ई किट उपलब्ध रहलाक कारण ओहि दु स्थानमे मात्र लापसे जाँच चलि रहल हुनकर कहब छलन्हि ।

Have your say