Breaking-News

प्रदेशसभा बैठकमे सरकारके आलोचना

Please follow and like us:

जनकपुरधाम जेठ ०१ गते ।मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत विगतके नीति तथा कार्यक्रम आ बजेटसहितक विषयमे सरकारसँ गल्ती भेल स्वीकार कएलन्हि अछि । संगहि ओ ओहि गल्तीसभकेँ सुधार करबाक प्रतिवद्धता सेहो व्यक्त कएलन्हि अछि ।
मंगलदिन विपक्षी दलक सांसदद्धारा उठाओलगेल प्रश्नके जबाब दैत मुख्मयन्त्री राउत बजेट, नीति तथा कार्यक्रम, जनता आवाससहितक कार्यक्रममे प्रदेश सरकारसँ गल्ती भेल बतओलन्हि । आब आबि रहल बजेट आ नीति तथा कार्यक्रममे सभ सदस्यकेँ समेट कऽ आगु बढबाक ओ प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि ।
एहिसँ पहिने सरकार विनियोजन कएने बजेटमे अनियमितता आ भ्रष्टाचार कएने कहैत विपक्षी दलक सांसदसभ आलोचान कएने छलथि । प्रतिपक्षी दल नेपाली कांगू्रेसक संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव बजेटमे भ्रष्टाचार आ अनियमितता करबाक उद्देश्यसँ अर्बौं रुपैयाँ रकमान्तर कएलगेल आरोप लगओने छलथि । प्रदेशसभासँ पारित भऽ चुकल कार्यक्रमसभकेँ अपना हिसाबसँ रकमान्तर करबाक प्रवृत्ति नियन्त्रण करबालेल सरकारसँ माँग कएलन्हि ।
विशेष समय लऽ कऽ बजने सत्ताधारी दल राजपाक सांसद मनिष सुमन प्रदेशसभाक अवरुद्ध बैठक सञ्चालन करबालेल योजनाक नामसँ पैसा बाँटलगेल कहैत सरकारकेँ आलोचना कएलन्हि । विनियोजन भऽ चुकल बजेटसँ प्रतिपक्षी दलकेँ खुश करबालेल योजनाक नाम पर पैसा बाँटब गलत रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
नेकपा प्रदेशसभा सदस्य मन्जु यादव स्थानीय तहमे विनियोजन भेल बजेट निर्वाचित सांसदकेँ मात्र देबाक सहमतिप्रति आपत्ति जनबैत समानुपातिक सांसदके उपहास कएलगेल आरोप लगओलीह ।
राजपाक प्रदेशसभा सदस्य विन्देश्वरप्रसाद साह प्रदेशक नामाकरण आ मलेठ घटनाक प्रतिवेदन सार्वजनिक नहि कऽ सकब सरकारक असफलता रहल टिप्पणी कएलन्हि ।

Have your say