Breaking-News

बैदेशिक रोजगारक पीडाः एहि वर्ष ८ सयके मृत्यु

Please follow and like us:

काठमाण्डु, वैशाख ०१ गते ।रोजगारीक लेल नेपाली नागरिक पहँुचल देशमे मलेसिया आ साउदी अरेविया सबसँ बेसी असुरक्षित देखल गेल अछि । २०७५ सालमे विदेशमे मृतकके तथ्यांक अनुसार सबसँ बेसी मलेसिया आ ओहिके बाद साउदी रहल ।
वैदेशिक रोजगार प्रवद्र्धन बोर्डके तथ्यांक अनुसार २०७५ वैशाख १ गतेसँ चैत २९ गतेधरिमे मलेसियामे मृत्यु भेल नेपालीके संख्या २ सय ५३ गोटे अछि । एहि बोर्डमे आर्थिक सहायता लेबए आबएबलासभक तथ्यांक अछि ।
एहिके बाहेक सेहो किछु पीडितसभक संख्या आवेदन देबए नहि सकल बोर्डके अनुमान अछि । आवेदन दऽ कऽ क्राइट एरियामे नहि परएबलाके सेहो संख्या रहलासँ ओतए मृत्यु भेलसभक संख्या आओर बढि रहल अनुमान अछि ।
एहि एक वर्षमे साउदीमे मृत्यु भेलसभक संख्या २ सय गोटे अछि ।
साउदीमे एक महिला आ एक सय ९९ गोटे पुरुषके मृत्यु भेल तथ्यकांक अछि । कतारमे एक सय ३१ आ युएईमे ९२ गोटेके मृत्यु भेल बोर्डके तथ्यांक अछि ।
युएईमे २०७५ सालमे १० महिला आ ८२ गोटे पुरुषको मृत्यु भेल अछि तऽ कतारमे मृत्यु भेल सभ पुरुष अछि ।
तहिना, कुवेतमे ३७, दक्षिण कोरियामे २०, बहराइनमे १२ आ ओमानमे ५ गोटे नेपालीके मृत्यु भेल अछि । २०७५ सालमे २३ गोटे महिला आ ७ सय ५९ पुरुषके मृत्यु भेल बोर्डके तथ्यांक अछि । एहि बोर्डसँ आर्थिक सहायाता लेबएबलाक तथ्यांक अनुसार ।
सरकार वैदेशिक रोजगारीक लेल एक सय १० देश खुल्ला कएने अछि जाहिमे एहि वर्ष २२ टा देशमे नेपालीक मृत्यु भेल अछि ।
१० वर्षमे ७ हजारसँ बेसीके विदेशमे मृत्यु
बितल १० वर्षमे रोजगारीक लेल विभिन्न देशमे पहँुचल ७ हजारसँ बेसी नेपालीके मृत्यु भऽ चुकल अछि । २०६५ सालके साउनसँ एम्हर, वैदेशिक रोजगार प्रवद्र्धन बोर्डके तथ्यांक अनुसार ७ हजार २ सय ६० सँ बेसीके मृत्यु भेल अछि ।
ई संख्या बोर्डके सचिवालयमे आर्थिक सहायता लेबएबलासभक मात्र अछि । एहि बाहेक सेहो वैदेशिक रोजगारीक क्रममे मृत्यु भेल मुदा आर्थिक सहायता लेबए नहि आएल आ अएलाक बादो नहि पाबएबलासभक संख्या सेहो अधिक रहल बोर्डके अनुमान अछि ।
बितल १० वर्षमे मलेसियामे सबसँ बेसी नेपालीके मृत्यु भेल अछि ।
एहि अवधिमे मलेसियामे २ हजार ६ सय २ गोटेक मृत्यु भेल अछि ।
मलेसियामे ३ सय ३८ गोटे आत्महत्या कएने अछि ।
कार्डिक एरेस्टक कारण ४ सय ७ आ प्राकृतिक कारणसँ ४ सय ११ गोेटेक मृत्यु भेल तथ्यांक बोर्डसँगे अछि । कार्यस्थल दुर्घटना आ सडक दुर्घटनाक कारण सेहो बहुत गोटे नेपालीके मृत्यु भेल अछि । मलेसियामे मात्र सडक दुर्घटनाक कारण १ सय ५५ आ कार्यस्थलमे भेल दुर्घटनाक कारण २ सय ५१ गेटेक मृत्यु भेल अछि ।
हृदयघातक कारण २ सय २४ गोटेक मृत्यु भेल अछि तऽ एहि अवधिमे २० गोटेके हत्या भेल अछि ।
५९ गोटे वेमारीक काराण मृत्युक सिकार भेल अछि तऽ ८१ गोटे मृत्युके काराण पत्ता नहि लागए सकल अछि । अन्य विभिन्न कारणसँ मृत्यु भेल नेपालीके संख्या मलेसियामे मात्रे ६ सय २६ पहुँचल अछि ।
साउदीमे सबसँ नेपाली सडक दुर्घटनाके कारण मृत्यु भेल अछि । बितल १० वर्षमे सडक दुर्घटनाक कारण ५ सय ७८ गोटेके मृत्यु भेल अछि । एक सय ६४ गोटेके कार्यस्थल दुर्घटनाक कारण मृत्यु भेल अछि ।
एक सय ६३ गोटे आत्माहत्या कएने अछि तऽ ७ सय ४५ गोटेके मृत्यु प्राकृतिक कारण भेल बताओल गेल अछि । साउदीमे १० वर्षमे २ गोटे नेपालीक हत्या भेल बोर्डक तथ्यांक अछि ।
कतारमे एक हजार ४ सय १९ गोटेके मृत्यु भेल सबसँ बेसी कार्डिक एरेस्टके कारण अछि । ५ सय २१ गोटेके कार्डिक एरेस्टके कारण मृत्यु भेल अछि ।
सडक दुर्घटनाक कारण एक सय १६ गोटे आ कार्यस्थल दुर्घटनाक कारण एक सय ५४ गोटेक मृत्यु भेल अछि ।
एहि अवधिमे कतारमे एक सय २५ गोटे आत्महत्या कएने अछि । १० वर्षमे २२ गोटेके हत्या भेल अछि । हृदयघातके कारण एक सय १२ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
बोर्डके तथ्यांक अनुसार युएईमे ५ सय ८२ गोटे जान गुमौने अछि । कार्डिक एरेस्टके कारण एक सय ६४ गोटे जान गुमौने अछि ।
ओहिके सबसँ सडक दुर्घटना आ आत्महत्याक करएबलाके संख्या बहुत अछि । सडक दुर्घटनामे ७९ आ आत्महत्या ९४ गोटे कएने अछि ।
प्राकृतिक कारणसँ ९९ आ ३३ गोटेके कार्यस्थल दुर्घटनामे मृत्यु भेल अछि ।
रोजगारीके आकर्षक मुलुक दक्षिण कोरियामे आत्महत्या करएबलाके संख्या बहुत अछि । बितल १० वर्षमे ३६ गोटे नेपाली ओतए हात्महत्या कएने अछि । सडक दुर्घटनामे १४ गोटेके मृत्यु भेलापर ११ गोटेके कार्यस्थलेमे भेल दुर्घटनामे मृत्यु भेल अछि । एक गोटेके हत्या भेल अछि तऽ हृदयघातक कारण ६ गोटेक मृत्यु भेल अछि ।
१० गोटेके प्राकृतिक कारणसँ मृत्य भेल दक्षिण कोरियामे २३ गोटेके अन्य कारणसँ मृत्यु भेल अछि । एहि अवधिमे दक्षिण कोरियामे एक सय १७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
विदेशमे मृत्यु भेलसभमे सडक दुर्घटना, कार्यस्थल दुर्घटना, हृदयघात आ आत्महत्या प्रमुख कारण रहल नजर आएल अछि ।
एहि अवधिमे एक सय ६४ गोटे महिला विदेशेमे मृत्यु भेल अछि ।
युएईमे १२ गोटे महिलाके सडक दुर्घटनाक कारण मृत्यु भेल अछि तऽ १८ गोटे महिला आत्महत्या कएने अछि ।
कुवेतमे आत्महत्या कऽ ३७ गोटे जान गुमौनेमे सँ १५ गोटे महिला अछि । हृदयघातके कारण ११ गोटे महिलाके कुवेतमे मृत्यु भेल अछि । लेवनानमे आत्महत्या ६ आ प्राकृतिक कारणसँ ६ गोटे महिलाके मृत्यु भेल अछि । तहिना, मलेसियामे ९ आ बहराइनमे २ गोटे महिला आत्महत्या कएने अछि ।
१० वर्षमे एहिसँ बेसी नेपालीके मृत्यु भेलाक बादो सरकार सबके तथ्यांक राखए नहि सकल अछि । ई तथ्यांक विदेशमे मृत्यु भऽ आर्थिक सहायताक लेल वैदेशिक रोजगार प्रवद्र्धन बोर्डमे आबएबलासभके मात्र अछि ।

Have your say