Breaking-News

वर्षमे एक दिन फुलाबएबला फूल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम वैशाख १ गते ।नव वर्षक आगमन संगहि फुलाएबला सिरहाक सलहेस फूलबारीमे चहलपहल बढि जाइत अछि । सलहेस फूलबारीमे वर्षमे एकहिदिन फूलाएबला फूल देखबालेल सर्वसधारणक भीड रहल करैत अछि ।
राजा सलहेस ऐतिहासिक महत्व रहल सिरहा जिल्लाक सलहेश फूलबारी मंदिरमे दर्शन करबालेल नेपाल तथा भारतसँ हजारौके संख्यामे दर्शनार्थीसभ पहुँचल करैत अछि । राजा सलहेश आ हुनकर प्रेमिका मालिनके प्रेम प्रतिकके रुपमे लहानसँ चारि किलोमिटर पश्चिममे रहल करिब १० विघाक प्राचिन फुलबारीके दुटा गाछक मध्य भागमे प्रत्यक वर्ष वैशाख १ गते एक जोड माला देखल जाति अछि । माला आ मेला देखबालेल सिरहा, सप्तरी, उदयपुर, सिन्धुली, धनुषा, महोत्तरी, सर्लही तथा भारतक निकटवर्ती गामसँ सर्वसाधारणसभ आएल करैत अछि । मालाके अवशेष ओहि गाछमे वर्षके अन्तिम दिन सेहो नहि देखल जाति अछि मुदा वैशाख १ गते भिन्सरे आश्चर्यजनक रुपेँ देखल जाति अछि फुलबारी स्थित मालिन मंदिरक पुजारी जितेन्द्र धामी बतओलन्हि । विक्रम सम्वत १३२५ मे प्रतापी राजा सलहेशक शौर्य, पराक्रम, वीरता, साहस आ प्रेमसँ जुडल किम्बदन्तीके स्मरण स्वरुप ओतुका वासिसभ प्रत्येक वैशाख १ गतेसँ परम्परागत मेला आयोजन करैत आबि रहल अछि । स्थानीयवासीसभ राजा सलहेशसँ जुडल फुलबारी, राजधानी महिसोथा गढ, पकडिया गढ, स्नान स्थल कमल दल, पत्तार पोखरिमे वैशाख १ गते भव्य मेलाके आयोजन करैत अछि ।
पुजारी धामीके अनुसार राजा सलहेश प्रत्येक दिन सिरहा सदरमुकाम स्थित अपन राजधानी महिसोथा गढसँ कमल दहमे स्नान कऽ फुलबारीमे अपम साथीसभसँग कुस्ती खेललाक बाद प्रेमिका मालिनसँग वन विहार करैत छलाह किम्बदन्ती अछि । फुलबारीमे आबि कऽ कएलगेल मन्तासभ पुरा होइत अछि ओहि क्षेत्रक सर्वसाधारणक विश्वास अछि ।

Have your say