Breaking-News

नया वर्ष २०७६ आईसँ शुरु

Please follow and like us:

जनकपुरधाम वैशाख १ गते ।आई विक्रम संवत २०७६ के पहिल दिन । नया वर्ष २०७६ आईसँ शुरु भेल अछि । सूर्य मीन राशीसँ मेष राशीमे प्रवेश करएबला संक्रान्तिके मेष अर्थात वैशाख संक्रान्ति कहल जाइत अछि । नया वर्ष प्रारम्भ भेल पहिल दिन नेपाल आ विदेशमे रहल नेपालीसभ हर्षोल्लासके साथ एक दोसरके शुभकामना आदान प्रदान कएल करैत छथि । नया वर्षमे सफलता भेटए कहैत एक दोसरमे शुभकामना व्यक्त करैत मिष्ठान भोजन, भेटघाँट कऽ नया वर्ष विशेष पर्वके रुपमे मनाओल जाइत अछि । सफलता प्राप्त करबालेल नया वर्षक पहिल दिन योजना निर्माण एवम सत्संकल्प करबाक परम्परा सेहो रहल अछि । आजुक दिन नया काजक शुरुवात करबाक सेहो परम्परा अछि । नया वर्षक पहिल दिन भिन्सरे स्नान करबाक, घर आँगन साफ करबाक, निक भोजनके संगहि साथी तथा इष्टमित्रसँ भेँटघाँट कऽ एक दोसरमे शुभकामना व्यक्त कएल जाइत अछि । विक्रमादित्यद्धारा चलाओलगेल सम्वत रहलाक कारणेँ एहि सम्वतके विक्रम सम्वत कहलगेल अछि । मल्लकालसँ नेपालमे मौलिक सम्वतके रुपमे विक्रम सम्वतके शुरुवात भेल अछि । नेपालमे मात्र मौलिक रुपेँ ई सम्वत चलैत आबि रहल अछि । भारतमे सरकारी सम्वत शक सम्वत रहलाक बादो व्यवहारमे इस्वी सम्वत प्रचलनमे अछि । विक्रम सम्वत १३५ सँ शक सम्वत, ६३३ सँ मानदेव सम्वत, विक्रम सम्वत ९३६ सँ नेपाल सम्वत शुरु भेल अछि । एहि सम्वतसभमेसँ एखन मानदेव सम्वतके चलन समाप्त भऽ चुकल अछि । विक्रमके १२ हम शताब्दीमे गुजरातसँ आएल विद्धानसभ पहिलबेर विक्रम सम्वतके प्रयोग कएने लिखित दस्तावेज भेटल इतिहासकारसभ बतबैत छथि । नया वर्षक अवसरमे पहिलदिन नेपाल भरिके सरकारी कार्यालय, सार्वजनिक संस्थान एवम शिक्षण संस्थामे सार्वजनिक छुट्टी देबाक परम्परा अछि । नया वर्षक अवसर पर तराई मधेशक जिल्लाक विभिन्न स्थान पर मेला लागल करैत अछि । नया वर्षक अवसर पर धनुषाक अकौडा, जनकपुरक रामपुर, सिरहाक फूलबारीमे लागएबला मेला प्रसिद्ध अछि ।

Have your say