Breaking-News

मिथिला मध्यमा परिक्रमा आई धनुषाधाम पहुँचत

Please follow and like us:

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।मिथिला मध्यमा परिक्रमा आई धनुषाधाम पहुँच रहल अछि । धनुषाक ठेरा कचुरीसँ किशोरीजीक डोलासँग शुरु भेल मिथिला मध्यमा परिक्रमा महोत्तरी तथा भारतक विभिन्न धार्मिक स्थलीके परिक्रमा करैत धनुषा पहुँचल अछि । महोत्तरीक कञ्चनवनसँ वृहस्पतिदिन भिन्सर निकलल धार्मिक पद यात्रा धनुषाक पर्वत्ता पहुँचल छल । जानकी मंदिरक दर्शन करैत जनकपुरक हनुमाननगरसँ विधिवत रुपेँ शुरु भेल परिक्रमाक तिर्थालु कल्याणेश्वर, फुलहर, मठिहानी, जलेश्वर, मडई, ध्रुवकुण्ड, कञ्चनवन होइत पवर्ता पहुँचल छथि ।
एहिसँ पहिने कञ्चनवनमे परिक्रमाके भव्य स्वागत कएलगेल छल । कञ्चनवनमे परिक्रमाके होरी खेलबाक पम्परा अछि । त्रेया युगमे भगवान राम ओतह होरी खेलने मान्यताके सँग परिक्रमामे सहभागीसभ एक दोसरके रंग अबिर लगा कऽ होरी खेलल करैत छथि ।
मिथिला महात्मय अनुसार १८ अम शताब्दीसँ माध्यमा परिक्रमाके रुपमा मनाओल जा रहल एहि धार्मिक यात्राक सहभागीसभ १५ दिन रात्री भजन किर्तन कऽ १५ दिन बिताओल करैत अछि । विश्वक सभसँ लम्बा धार्मिक यात्रा कञ्चनवनके बाद धनुषाक पर्वता, धनुषाधाम, सतोखर, औरहीमे एक–एक राति विश्राम कऽ पूर्णिमासँ एकदिन पहिने जनकपुर पहुँचैत अछि । पूर्णीमाक दिन जनकपुरक अन्तगृह परिक्रमा कऽ १५ दिनक मिथिला मध्यमा परिक्रमा समापन होइत अछि ।
नेपाल भारत दुनु देशक धार्मिक साँस्कृतिक एवम पारम्परिक सदभावक प्रतिक बनल परिक्रमा यात्रामे नेपालक १२ तथा भारतक ३ स्थानमे विश्राम स्थल अछि । मिथिला महात्ममे एहि विश्राम स्थलके पौराणिक एवम धार्मिक महत्वके विषयमे अलग अलग व्यख्यान कएलगेलाक कारण भक्तजनसभमे अटुट आस्था रहल अछि । मिथिला महात्म अनुसार १८ अम शताब्दीसँ एहि धर्म यात्राकेँ माध्यमिकी परिक्रमाके रुपमे मनाओल जा रहल अछि । सभसँ लम्बा दुरीके एहि धार्मिक यात्रामे नेपालमे १०७ आ भारतमे २६ कऽ कऽ कुल १३३ किलोमिटर भूमिके पैदल यात्रा तय कएल जाति अछि । परिक्रमामे भारतक अयोध्या, मथुरा, हरिद्धार, दरभंगा, सीमाढी, बैधनाथधाम सहितक स्थानक साधुसंतसभक उल्लेख्य रुपमे सहभागीता अछि ।

Have your say