Breaking-News

मन्त्रिमण्डल पुनर्गठनमे ओली–प्रचण्डबीच मतभेद , सभ मन्त्री फेरबदल करए प्रचण्डक वैकल्पिक प्रस्ताव

Please follow and like us:

काठमाण्डू, चैत ०१ गते । फेर एकबेर केपी शर्मा ओली नेतृत्वक सरकारके मन्त्रिमण्डल हेरफेरके विषय चर्चामे आएल अछि । एहन चर्चा विगतमे होईत अएलाबादो मंगलदिन नेकपाक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ विराटनगर पहुँच मन्त्रीमण्डल हेरफेरक विषयमे प्रधानमन्त्री ओलीसँग छलफल भेल बतोलाबाद ई विषय पुनः चर्चामे आएल अछि ।
मन्त्रीमण्डल पुनर्गठन करएके विषयमे चर्चा शुरु भेलसँगहि प्रधानमन्त्री ओली आ अध्यक्ष प्रचण्डबीच मतभेदक संकेतसभ देखाएल अछि । मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनजेहन विषयमे पार्टिभितर औपचारिक छलफल नहि भेल कहैत अन्य शीर्ष नेता सेहो असन्तुष्ट छथि ।
विराटनगरमे सञ्चारकर्मीसभसँग प्रचण्ड मन्त्रिमण्डल पुर्नगठनक विषयमे कहलन्हि , ‘ई बात प्रधानमन्त्रीजी कोना हिसाब करता , ओहिपरनिर्भर अछि । हमरासभक सिस्टम प्रधानमन्त्रीक अछि । ओकोना मूल्यांकन करताह , ओहिपर भरपरैत अछि । प्रधानमन्त्रीसँग मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे बातचित भेल अछि ।
नेकपा सचिवालयक एक सदस्यक अनुसार प्रचण्डक अभिव्यक्ति बहुत अर्थपूर्ण अछि । हुनक अनुसार प्रचण्डक एहन अभिव्यक्तिसँ मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे प्रधानमन्त्री आ हुनक सहमति नहि जुटल अछि से सन्देश दऽ रहल अछि । ओहि नेताक अनुसार प्रचण्ड मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे उठ्एबला प्रश्नसँ बचए सचेतरुपमे प्रचण्ड ‘ ई काज प्रधानमन्त्रीक अधिकार’ रहल बतौलन्हि ।
बुधदिन मात्र एक टेलिभिजनमे देने अन्र्तवार्तामे प्रधामन्त्री ओली सेहो मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनक विषयमे मुह खोलने छथि । ओ कहलन्हि , ‘मन्त्रीमण्डल पुर्नगठन कहियो भ सकैत अछि । मुदा एखन सोचाएल नहि अछि । ’
प्रधानमन्त्रीक एहि कहबमे सेहो हुनक आ प्रचण्डबीच सहमति बनि चुकल से स्पष्ट सन्देश अछि । मुदा , कोनो समयमे आकस्मिक निर्णय लेबए बला प्रधानमन्त्री ओली मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनमे सेहो ओहने निर्णय लेबए सकएके अनुमान कएल जा रहल अछि । प्रधानमन्त्री ओली आ प्रचण्डक पछिल्ला भेटमे मन्त्रीमण्डल पुर्नगठन करबाक विषयमे बहुतोबेर छलफल भेल अछि । स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री ओली सेहो मन्त्रीमण्डल पुनर्गठन करबाक सोचमे अछि । ओहि अनुरुप ओ प्रचण्डसँग सहमति मँगने अछि ।
प्रचण्डसँगक पछिल्ला भेटमे प्रधानमन्त्री ओली किछ मन्त्रीक जिम्मेवारी हेरफेर आ किछके हटा कऽ नयाँ लाबएके प्रस्ताव रखने छलथि । मुदा, प्रधानमन्त्री ओली काजसँ बेसि मुह देख कऽ मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनके प्रस्ताव आगा बढौलाबाद अध्यक्ष प्रचण्ड ई प्रधानमन्त्रीक अधिकार कहैत पाछा हटए चाहि रहल स्रोतक कहब अछि । एमहर, अध्यक्ष प्रचण्ड सभ मन्त्री फेरबदल करए सकएके वैकल्पिक प्रस्ताव सेहो आगा बढौने स्रोत बतौलक अछि ।

Have your say