Breaking-News

‘सहमति उल्लंघन भेल तऽ कारबाही’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्री लालबाबु पण्डित सरकारसँग कएलगेल सहमति अक्षरस पालना करबालेल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनके आग्रह कएलन्हि अछि ।
हालहि सरकार आ सिके राउतबीच भेल ११ सुत्रीय सम्झौताक विषयमे बजैत सहमतिविपरित कोनो गतिविधि कएलगेल अवस्थामे सरकार चुप भऽ कऽ नहि रहत पण्डित चेतावनी देलन्हि अछि ।
‘हमसभ सहमपतिप्रति इमान्दार छी,’ प्रेस चौतारी धनुषा वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे मन्त्री पण्डित कहलन्हि,‘आब अलग मधेशके नारा नहि लागत । सहमतिविपरित विखण्डनकारी नारा लगाबएबलाके सरकार ओहि अनुसार व्यवहार करत ।’
सिके राउतसँग जनमतसंग्रह आ राजनीतिक पद देबाक सम्बन्धमे कोनो सम्झौता नहि भेल पण्डित स्पष्ट कएलन्हि अछि । सरकारसँग भेल सहमतिविपरित कोनो गतिविधि भेल अवस्थामे सरकार नियन्त्रणमे लेबएलेल बाध्य होएत हुनकर कहब छलन्हि ।
तहिना नेत्रविक्रम चन्द ‘विप्लव’ नेतृत्वक नेकपा (माओवादी) विध्वंशकारी गतिविधिमे संलग्न रहलाक कारण सरकार प्रतिबन्ध लगओने पण्डित बतओलन्हि अछि । ‘सरकार शान्तिपूर्ण राजनीतिमे आबएलेल बेरबेर वार्ताक आह्वान कएलक,’ पण्डित कहलन्हि,‘मुदा ओसभ स्वघोषित रुपेँ वार्ताक रास्ता बन्द कएलन्हि ।’ विप्लव समूह शान्तिपूर्ण रास्तामे नहि आएल तऽ सरकार आओर आक्रमक रुपें प्रस्तुत होएत हुनकर चेतावनी छलन्हि ।
संविधानविपरित अराजनीतिक चरित्र देखाबएबला ककरो सरकार नहि छोडत मन्त्री पण्डित बतओलन्हि अछि । एखनो वार्ताक रास्ता खुल्ला रहल कहैत ओ शान्तिपूर्ण रास्तामे आबएबलाके लेल सरकार सेहो खुल्ला रहत स्पष्ट कएलन्हि । सरकार विप्लव समूहके युद्धमे नहि धकलने बल्कि ओसभ स्वयं ध्वंसात्मक गतिविधिमे लागल हुनकर टिप्पणी छलन्हि ।
संविधानके पालना करब हरेक नेपाली नागरिकके दायित्व रहल उल्लेख करैत ओ आवश्यक्ताअनुसार संविधान संशोधन करबालेल सरकार तैयार रहल बतओलन्हि । यद्यपी संविधान संशोधनक प्रक्रिया कहिया आगु बढत ओहि विषयमे मन्त्री पण्डित स्पष्ट नहि कएलन्हि ।
संघीय सरकार प्रदेशके अधिकार सम्पत्र होबए नहि देबए चाहि रहल आरोप लागि रहल समय मन्त्री पण्डित प्रदेश लोकसेवाक व्यवस्था नहि होबए धरि ओसभ कर्मचारी व्यवस्थापनक काज कऽ रहल जानकारी देलन्हि । एखनधरि ६० हजार कर्मचारी समायोजन भऽ चुकल जानकारी दैत मन्त्री पण्डित आगामी अषाढधरि समायोजनसम्बन्धी सम्पूर्ण काज पुरा भऽ जाएत दावा कएलन्हि ।

Have your say