Breaking-News

नयाँ रणनीति तय कऽ रहल सिके राउतः राष्ट्रिय परिषदके बैठक आह्वान

Please follow and like us:

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।सरकासँग ११ सुत्रीय सम्झौता कऽ कऽ मौन रहल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक संयोजक डा.सिके राउत नयाँ रणनीति तय करबाक तैयारीमे जुटल छथि । ओहिके लेल ओ राष्ट्रिय परिषद् बैठक बजओलन्हि अछि । गठबन्धन केन्द्रीय समितिकेँ राष्ट्रिय परिषद्के नाम देने अछि ।
सम्झौताके बाद विभित्र प्रकारक टिकाटिप्पणी आ आशंका भऽ रहल समय राउत आगामी चैत ४ आ ५ गते जनकपुरमे राष्ट्रिय परिषद्के बैठक बजओलन्हि अछि । जनकपुरमे दु दिन चलएबला बैठक गठबन्धनक आगामी रणनीति तय करत बताओलगेल अछि ।
जनकपुरमे होबएबला परिषद्के बैठक आगामी रणनीतिक विषयमे निर्णय करत गठबन्धनक सहसंयोजक चन्दन सिंह बतओलन्हि अछि । सिंहक अनुसार बैठकमे मधेशक सभ जिल्लासँ परिषद्के सदस्यसभ सहभागी होएताह । सरकारसँग भेल सहमतिअनुसार मूलधारक राजनीतिमे अएबाक विकल्प खुजलाक बादो परिषद् एहि विषयमे विस्तारसँ निर्णय करत हुनकर कहब कछलन्हि ।
सरकारसँग भेल सहमतिपश्चात गठबन्धनक आधिकारिक प्रतिक्रिया नहि आबि सकल जिज्ञासा पर सिंह कलन्हि,‘सहमतिपत्रमे सभ किछु स्पष्ट अछि, कोनो प्रतिक्रिया देब जरुरी नहि अछि ।’ सहमतिपत्रक दोसर बुँदामे उल्लेख कएलगेल ‘जनअभिमत’ शब्दक अर्थ जनमतसंग्रह सेहो रहल हुनकर दावा छलन्हि ।
यद्यपि वृहस्पतिएदिन जनकपुरमे सरकारक सामान्य प्रशासनमन्त्री लालबाबु पण्डित सिके राउतसँग जनमतसंग्रक विषयमे कोनो सम्झौता नहि भेल प्रष्ट कएलन्हि अछि । पण्डित ११ सुत्रीय सहमतिविपरित कोनो गतविधि भेल अवस्थामे सरकार चुप भऽ कऽ नहि रहत हुनकर चेतावनी छलन्हि । सरकारसँग सहमति भेलाक बाद विखण्डनके राजनीति कऽ रहल सिके राउत मूलधारक राजनीतिमे आबि चुकल पण्डित दावा कएलन्हि ।

Have your say