Breaking-News

सिके राउतसँगक सम्झौताक विरोधमे प्रदर्शन

Please follow and like us:

काठमाण्डु फागुन ३० गते ।सरकार आ सिके राउतबीचक ११ सुत्रीय सम्झौताक विरोध करैत नागरिक अगुवासभ सिंहदरबारक पश्चिम गेट पर प्रदर्शन कएलक अछि । राउतसँग कएलगेल सम्झौताकेँ ‘अपराधजन्य सहमति’ कहैत ओसभ प्रदर्शन कएलन्हि अछि ।
विखण्डनक अभियान परित्याग कएने सहमति कहलगेलाक बादो सम्झौताक बुँदा नम्बर २ केँ जनमतसंग्रहके रुपमे ब्याख्या कएलगेल कहैत नागरिक अगुवासभ ई सम्झौता राष्ट्रिय अखण्डता उपर प्रहार कएने बतओलन्हि अछि । मुदा विखण्डनक अभियान त्याग करबालेल तैयार रहलन्हि तऽ सम्झौताके सकारात्मक रुपेँ लेल जा सकैत अछि हुनकासभक कहब अछि ।
प्रदर्शनके क्रममे मानवअधिकार तथा शान्ति समाजक पूर्वसभापति कृष्ण पहाडी, सभापति उत्तम पुडासैनी, सल्लाहकार डा.गंगाधर अधिकारी, सचिव बलबहादुर गाहा मगर, कोषाध्यक्ष रामकृष्ण बरालसहित १६ गोटेके प्रहरी नियन्त्रणमे सेहो लेने छल । नियन्त्रणमे लेलगेल सभगोटेके प्रहरी किछुदेर बाद रिहा कएने छल ।

Have your say