Breaking-News

लाल प्रतिवेदन सार्वजनिक करबाक माँग करैत राजपाद्धारा संसद बैठक अवरुद्ध

Please follow and like us:

काठमाण्डू, फागुन २९ । राष्ट्रिय जनता पार्टि प्रतिनिधिसभाक बुधदिनक बैसार अवरुद्ध कएलक अछि । गिरिशचन्द्र लालक नेतृत्वमे गठन भेल न्यायिक आयोगके प्रतिवेदन सार्वजनिक करएके माँग करैत राजपा बैसार अवरुद्ध करौने छल । प्रतिनिधिसभाक बुधदिनक बैसारमे राष्ट्रिय गितक बाद बैसार प्रारम्भ भेल सभामुख कहि रहल समय राजपाक सांसदसभ अपन–अपन स्थानसँ उठि कऽ विरोध जनौलन्हि । ओहिकेबाद सभामुख बाजएलेल समय देलाबाद राजपा सांसद राजकिसोर यादव गिरिशचन्द्र लालके नेतृत्वमे २०७३ आसिन २ गते गठन भेल आयोगक प्रतिवेदन सार्वजनिक नहि होबएधरि संसद बैसार अवरोध करबाक बतौलन्हि ।
मधेस आन्दोलन आ थरुहट आन्दोलनक समय राज्यपक्ष आ आन्दोलनकारी पक्षसँ भेल मानवअधिकार हननके विषयमे सत्यतथ्य छानविन करए गिरिस चन्द्र लालके नेतृत्वमे न्यायिक आयोग गठन कएने छल । आयोग २०७४ माघ २९ गते सरकारके प्रतिवेदन बुझौलाबादो सरकार आयोगक प्रतिवेदन एखनधरि सार्वजनिक नहि कएन.े अछि ।
बैसारमे बजैत सांसद यादव प्रतिवेदन सार्वजनिक नहि करएधरि बैसारके काज आगा बढ्ए नहि देबएके कहैत अवरोध करबाक बतौलाबाद फेर राजपाक सभ सांसदसभ अपन अपन स्थानसँ उठ कऽ विरोध जनौलन्हि । सभामुक कृष्णबहादुर महरा बेर बेर बैसए आ बैसारके कारवाही आगा बढाबएमे सहयोग करए आग्रह कएलाबादो विरोध जारि रहलाबाद १० मिनेटक लेल बैसार स्थगित कएलगेल छल ।
प्रतिवेदन सार्वजनिक करबालेल रुलिङ
प्रतिनिधिसभा टिकापुर घटनाक छानविन करए गठित आयोगके प्रतिवेदन यथासिघ्र सार्वजनिक करए सरकारके ध्यानाकर्षण करौलक अछि । बुधदिनक बैसारमे सभामुख कृष्णबहादुर महरा टिकापुर घटनाक छानविन करए गठित सर्वोच्च अदालतक पूर्वन्यायाधीश गिरिशचन्द्र लाल नेतृत्वके आयोगक प्रतिवेदन यथासिघ्र सार्वजनिक करए सरकारक विशेष ध्यानाकर्षण करौने अछि ।
राजपाक अवरोधके बाद सभामुख महरा सरकारके यथासिघ्र प्रतिवेदन सार्वजनिक करए आग्रह कएलन्हि । २०७२ साल भादवमे थरुहट आन्दोलनक क्रममे हिंसा फैललाबाद नेपाल प्रहरीक एसएसपी लक्ष्मण न्यौपानेसहित ७ गोटेके मृत्यु भेल छल । उक्त घटनाक छानबिन करए सरकार सर्वोच्च अदालतक पूर्वन्यायाधीश गिरिशचन्द्र लालके नेतृत्वमे छानविन आयोग गठन कएने छल ।
आयोग एक वर्ष पहिले प्रतिवेदन बुझौलाबादो सार्वजनिक नहि कएलगेल अछि । प्रतिनिधिसभाक पछिल्ला बैसारमे सेहो राष्ट्रिय जनता पार्टि लाल आयोगके प्रतिवेदन सार्वजनिक करए माँग कएने छल । उक्त बैसारमे सभामुख महरा एहि विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण करौने छलथि । गृहमन्त्री रामबहादुर थापा प्रतिवेदन सरकार अध्ययन कऽ रहल आ आवश्यक परल तऽ सार्वजनिक करएके जवाफ देने छलथि ।
राजपा बुधदिनक बैसारमे सेहो ओहि विषयमे संसद अवरुद्ध कएलक । राजपा अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजकिशोर यादव सरकार आवश्यक परल तऽ सार्वजनिक करएजेँका स्वेच्छाचारी जवाफ देखलगेल कहैत विरोध जनौलन्हि । ओ उक्त प्रतिवेदन सार्वजनिक नहि होबएधरि प्रतिनिधिसभा बैसार अवरुद्ध करएके चेतावनि देलन्हि । सभामुखके रुलिङसँगहि राजपा कएने संसद अवरोध हटल छल ।

Have your say